अमित आनन्द केर जनकपुर यात्रा

निराजन झा, जनकपुर। मैथिली जिन्दाबाद, मई १, २०१५.

amit anand

नेपाल भूकंप राहत अभियान यात्रा पर निकलल मैथिल अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द आइ काठमान्डु सँ विदा होइत संध्याकाल जनकपुर पहुँचि गेल छथि। मैथिली जिन्दाबाद संग बात करैत श्री आनन्द बतौलनि जे ऐतिहासिक नगरी मिथिलाक राजधानी जनकपुर मे प्रसिद्ध जानकी मन्दिर केँ सेहो एहि भूकंप सँ क्षति पहुँचबाक समाचार भेटबाक कारणे अपन यात्रा काठमांडु उपरान्त जनकपुर लेल निर्धारित केलहुँ अछि। एहि नगरी मे आइयो सृजनशीलताक मूल धारा बहैत अछि, एक सँ बढि कय एक जीवित विद्यापति सब आइयो एहि नगरीक शोभा छथि। हालहि विश्व बैंक द्वारा देल गेल विकास योजना मे ई नगरी सेहो पड़ैत अछि। भारतीय प्रधानमंत्री मोदी केर दुइ‍-दुइ बेर एहि नगरीक यात्रा प्रति उत्कंठा देखि यथार्थ मे हमरो मन मे उत्कंठा छल। लेकिन मैथिली ओ मिथिलाक एतेक रास कार्यक्रम मे जनकपुरक स्रष्टा लोकनि घोघवाली कनिया समान अपन नगरी सँ बाहर नहि निकलबाक चर्चा सुनि किछु इच्छा एहनो अछि जे एहि ठामक स्रष्टा सब सँ भेंटघाँट करैत दुहु पारक मिथिलाक विभिन्न अभियान मे सहभागिता जनेबाक लेल प्रेरित कय सकी।

हाल नेपाल भूकंप सँ एक-एक भारतीय आ खास कय प्रत्येक मिथिलावासी एतेक आहत अछि जेकर पारावार नहि छैक। सबकेँ मस्तिष्क मे अपन सर-कुटुम्बक कुशलताक कामना बसैत छैक। एहना मे अमित आनन्दक जनकपुर यात्रा सँ भूकंप पीड़ित केर घाव पर जरुर किछु मरहम लगतैक, संगहि स्वतंत्र पत्रकारिता सँ मैथिली सहित मिथिला आ खास कय पुरातत्त्विक संरक्षण प्रति जागरुकता बढेबाक विशिष्ट अभियान मे सेहो श्री आनन्दक रिपोर्ट बहुत पैघ भूमिका खेलायत, ई जानकारी भारतीय पुरातत्त्व विभागक पूर्वांचल प्रमुख फणिकान्त मिश्र बतौलनि। विदित हो जे भारत तथा नेपाल दुनु कातक मिथिला क्षेत्रक धार्मिक व ऐतिहासिक स्थल पर संरक्षणक जिम्मेवारी सेहो श्री मिश्र अपन कार्यकाल मे आगाँ बढेबाक बात कहैत रहला अछि, जाहि मे अमित आनन्द केर सराहनीय भूमिका रहैत आयल अछि।

अमित आनन्द जनकपुर मे डा. राजेन्द्र बिमल, परमेश्वर कापड़ि, राम भरोस कापड़ि, श्याम सुन्दर शशि, सुनील मल्लिक, सुजित झा, बटुकनाथ झा आदि संग भेंटघाँट करैत मधुबनी मे आयोजित मिथिला रंग महोत्सव मे सहभागी बनबाक लेल काल्हि भारतीय मिथिला मे प्रवेश करबाक जानकारी करौलनि।