Search

दहेज मुक्त मिथिला लेल ८ जुलाई केँ मिनी मैराथन उच्चैठ भगवतीस्थान सँ मधुबनी मुख्यालय धरि

लोरिका, मधुबनी। जून २८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दहेज मुक्त मिथिलाक वरिष्ठ अधिकारी धर्मेन्द्र कुमार झा जनतब दैत कहलनि अछि जे मिथिला समाज सँ दहेज कूप्रथा विरुद्ध जनजागरण करबाक विशेष अभियान – नारा ‘दहेज भगाउ, बेटी बचाउ’ लेल प्रसिद्ध धावक मिथिलापुत्र आर के दीपक उच्चैठ भगवतीस्थान सँ मधुबनी मुख्यालय धरि करीब ३० किलोमीटर केर दौड़ लगेता । एहि मिनी मैराथन मे आर के दीपक संग दर्जनों युवा आ दहेज मुक्त मिथिलाक पदाधिकारी सेहो दौड़ लगेता।

श्री झा कहलनि जे उच्चैठ भगवतीस्थान सँ एहि दौड़ केर आरम्भ भोरे ५ बजे सँ शुरु होयत। उद्घाटन लेल बेनीपट्टी प्रखंड पदाधिकारी, नजदीकक विद्यालयक शिक्षक आ छात्र सहित मुख्य मन्दिर-मठ आदिक पूजारी आ समाजक अगुआई केनिहार कुल १० गामक अभिभावक लोकनि केँ आमंत्रित कएल जायत। तहिना संचार क्षेत्रक हरेक संचारकर्मी केँ एहि विशेष विषय व नाराक संग मिनी मैराथन केर समाचार समेटबाक आ नारा केँ जनमानसक अन्तिम छोर तक पहुँचेबाक दृष्टिकोण सँ विशेष रूप सँ आमन्त्रित कएल जायत। एहि दौड़ मे शामिल हेबाक लेल विभिन्न विद्यालयक बाल-बालिका आ शिक्षाकर्मीक संग-संग समाजक विभिन्न वर्गक लोक सब केँ सेहो लाउडस्पीकर मार्फत सूचना देल जायत। दहेज मुक्त मिथिला केर अभियान कथमपि कोनो व्यक्ति, समाज अथवा समुदाय या धार्मिक समूह संग व्यक्तिगत तौर पर मध्यस्थताक काज नहि कय सामूहिक तौर पर सभक लेल एकमुष्ट काज करैत आबि रहल अछि। लेकिन धरातल पर मौजूद मिथिलावासी मे एहि नाराक पहुँच एखन धरि ओहि गति मे नहि पहुँचल जाहि गतिक परिकल्पना करैत युवा अभियानी सब ई संस्था कम अभियान बेसी केर आरम्भ कएने छलाह। आइ करीब ६ वर्ष बीत गेलाक बादो जमीन पर जुटल लोक केँ एहि सँ परिचित करेबाक उद्देश्य संग एहि दौड़ केर आयोजन कएल जेबाक बात धर्मेन्द्र कुमार झा बतौलनि।

विदिते अछि जे नवटोल निवासी प्रखर समाजसेवी स्व. टी. पी. निराला केर पुण्य तिथिपर हालहि मैराथन दौड़ जे. के. कालेज बिरौल सँ मिथिला विश्वविद्यालय परिसर धरिक लगभग ६० किलोमीटर केर दौड़ हुनकहि सपुत आर के दीपक सहित अनेको युवा लोकनि पूरा कएने छलाह। तदोपरान्त विभिन्न क्षेत्र सँ एहि तरहक जनजागरुकता दौड़ केर मांग होमय लागल अछि। १५ अगस्त कुर्सों गाम सँ दरभंगा धरिक दौड़ सेहो दोसर धावक कौशल कुमार चौधरी पूरा करता। सहरसा सँ सेहो कुमार आशीष एहि तरहक दौड़ केर आयोजनक संयोजन कार्य मे जुटि गेल छथि। एहि बीच महाराष्ट्र सँ आबिकय अपन क्षेत्र मे दौड़ कराबय लेल दहेज मुक्त मिथिलाक पदाधिकारी धर्मेन्द्र कुमार झा केर पहल पर ८ जुलाई केँ ई मैराथन दौड़ मधुबनीक मुख्यालय धरि होयबाक अछि। एहि लेल धावक आर के दीपक काफी उत्साहित छथि आर सोशल मीडिया पर सेहो ओ बेर-बेर लोक सब सँ एहि दौड़ केर सम्बन्ध अपने सँ अपील कय रहल छथि।

एहि मिनी मैराथन मे दहेज मुक्त मिथिलाक अन्तर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी, दहेज मुक्त मिथिलाक महासचिव कुणाल ठाकुर सहित अनेको गणमान्य लोकनिक सहभागिताक पुष्टि भेल अछि।

Related Articles