डा. राम सेवक झा, दीप, झंझारपुर । जून २१, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
ज्योतिर्विद विज्ञान संस्थान केर तत्वावधान मे अंतरराष्ट्रीय योग दिवस केर आयोजन श्री राधाकृष्ण मन्दिर प्रांगण मे कएल गेल । स्वस्तिवाचन पूर्वक समारोह केर शुभारंभ भेल । संस्थान केर निदेशक डा. राजनाथ झा आगत अतिथि लोकनिक स्वागत करैत कहलखिन जे मिथिला अष्टांग योग केर पावन धरती थिक । अष्टांग योग केँ आत्मसात कय केँ मुक्ति और मुक्ति प्राप्त करबाक जे योक्ति यजीव… पंतजलि आदि मनीषिगण देलनि, ओ आइयो व्यवहारिक आर उपयोगी अछि ।योग दिवस केर उद्घाटन स्थानीय मुखिया श्रीमती बेबी कुमारी चौधरी दीप प्रज्वलित कय केँ केलनि । ओ अपन भावना उद्भार मे योग केँ जीवनोवयोगी महत्वक बतौलनि ।
पटना सँ आयल योग विशेषज्ञ श्री हृदयनारायण झा मानव जीवन केर रचना पर प्रकाश दैत एकरा शुद्ध एवं सुदृढ़ बनाकय रखबाक लेल यम नियम सहित आसन प्रणायाम, व्यायाम मुद्रा एवं बन्ध आदि केर अभ्यास करौलनि । सामान्य योग सत्र मे सभक लेल उपयोगी प्रणवाभ्यास, सुखासन, सिद्धासन, पदयासन, नाड़ीशोधन प्राणायाम, पूरक, कुंभक, रेचक प्राणायाम, अग्निसार क्रिया, त्रिबन्ध एवं योगमुद्रा सहित प्रोटोकॉल योग केर सेहो प्रदर्शन केलनि ।योगाभ्यास केर दोसर सत्र मे गैस्टिक, कब्ज, गठिया, डायबिटीज़, दमा, माइग्रेन गठिया, स्पॉन्डिलाइटिस , आदिक मरीज सब लेल उपयोगी योग बतबैत रोगमुक्ति काेर उपाय बतौलनि । आसन प्राणायाम मुद्रा आदि केर प्रशिक्षण सेहो देल गेल । एहि आयोजन मे गामक कतेको गणमान्य नागरिक उपस्थित भेलाह आर योगासन प्रणायाम केर आंतरिक ऊर्जा केँ आत्मसात कएलनि।

1 Comment
Way bahut sunder