नेपाल भूकंप: अमित आनन्द केर विशेष रिपोर्ट

अमित आनन्द, काठमांडू सँ – मैथिली जिन्दाबाद लेल विशेष रिपोर्ट! अप्रैल ३०, २०१५. संध्या ५:३० बजे।
IMG_5145
काठमांडू शहर और एकर उत्तर मे अवस्थित जिलाक सामान्य जनजीवन अस्त व्यस्त भऽ गेल अछि. सबसँ पैघ संकट रहबाक लेल छैक. 80 प्रतिशत सँ ज्यादा घर या तऽ तबाह भऽ गेल छैक या फेर खतरा सँ खाली नहि रहि जेबाक कारण लोक ओहि घर मे रहबाक लेल तैयार नहि छैक। लोक घर-बार छोड़िकय कोनो मैदान मे त्रिपाल टाँगिकय या कोनो विद्यालय आदि मे अस्थायी तौर पर रहय लेल चलि गेल छैक। घरक आसपास कोनो ऊँच पहाड़ पर या खुला मैदान मे रहि रहल अछि जनता.
भक्तपुर जिलाक निकोसेरा मे प्रायः सबटा घर गिर चुकल अछि। जे बचलो अछि ओ रहय लायक नहि रहि गेल अछि. सुनील कोजू जे अपन क्षतिग्रस्त घर सँ बचल सामान केँ निकालय मे लागल छल, ओ बतेलक जे “पैछला पांच दिन सँ टेंट मे कोनो प्रकारें अपन छोट-छोट बच्चाक संग रहि रहल अछि. नेपाल प्राशासन द्वारा इंजिनियर मार्फत सर्वे कैल जा रहलैक अछि. देखू कखन कि होइत छैक।”
पर्यटक सँ गुलजार रहयवला दरबार हॉल, भक्तपुर केर लोक अपन पुश्तैनी घर छोड़िकय जाइत देखल गेल। ओहि जगहक सब घर केँ असुरक्षित करार कैल गेलैक अछि. यैह दरबार हॉल मे नेपाल सरकार केर संग्रहालय सेहो अवस्थित अछि.