Search

मिथिला सँ दहेज प्रथाक उन्मूलन लेल अनुपम प्रयास, धावक आर के दीपक लगा रहल छथि दौड़

कुशेश्वरस्थान, दरभंगा। जून १२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

रन फॉर दहेज मुक्त मिथिला कार्यक्रम नवटोल सँ कुशेश्वरधाम भेल पूरा

काल्हि ११ जून रवि दिन कुशेश्वर स्थान क्षेत्र केर संयोजक मनोज शर्मा केर नेतृत्व में मिथिलापुत्र प्रसिद्ध धावक आर के दीपक आइ नवटोल सँ बाबा कुशेश्वरनाथ मन्दिर धरिक करीब 30 किलोमीटर केर मार्ग पर ‘दहेज़ भगाउ, बेटी बचाउ’ नारा संग ‘रन फॉर दहेज मुक्त मिथिला’ कार्यक्रम सफलतापूर्वक पूरा कयलनि अछि।

धावक आर के दीपक कहला जे अपन पिता स्व. निराला जी केर पूण्य तिथि पर अपन मातृभूमि मिथिला में दहेज़ मुक्त मिथिला केर नारा जनगण धरि पहुँचेबाक निमित्त ओ पहिने सँ बिरौल स दरभंगा 60 किलोमीटर केर दौड़ लगेबाक घोषणा कयने छथि, जाहि सँ पूर्व मनोज शर्मा जी केर नेतृत्व में आइ 30 किलोमीटर केर ई रनिंग पूर्वाभ्यास केर संग-संग बाबा कुशेश्वरनाथ केर पुनीत दर्शन संग सम्पन्न भेल अछि।

श्री मनोज शर्माक योगदान केर भूरि भूरि प्रशंसा करैत अंतर्राष्ट्रीय संयोजक प्रवीण नारायण चौधरी द्वारा हुनका राष्ट्रीय कार्यसमिति में पदभार लेल सिफारिश कयल गेल अछि। हुनकर समाजसेवा आ जनजागरण में समर्पण हेतु धन्यवादक संग आभार सेहो प्रकट कयल गेल अछि।

आजुक दौड़ केँ बिरौल प्रखण्ड विकास पदाधिकारी तथा नवटोल मुखियापति सन्तोष मिश्र द्वारा हरियर झंडा देखबैत भोरे 4 बजे आरम्भ कराओल गेल छल।

धावक आर के दीपक फेसबुक मार्फत जनौलनि अछि जे आजुक नवटोलसँ कुशेश्वरस्थानक 30 किमी केर रन फ़ॉर दहेज मुक्त मिथिला केर ई अभियान सफ़ल रहल। बहुत बहुत धन्यवाद बिरौल के BDO साहेब और मुखिया संतोष मिश्र जी केर, ओ भोरे आबिकय हरी झंडी देखा कय ई रन शुरू करौलनि। हम मनोज शर्मा जी केँ बहुत बहुत धन्यवाद देबय चाहब जे एहि अभियान केँ खूबे नीक जेकाँ सफल बनौलनि। और संगहि सब गामबासी केँ धन्यवाद जे सब खूब बढ़ि चढ़ि कय भाग लेलनि आर हमरा प्रोत्साहित केलनि, हुनका सब केँ आरो बेसी धन्यवाद जे नवयुवक लोकनि हमरा संगे रन केलनि, हमरा प्रोत्साहित केलनि आर फेर एहि अभियान केँ सफल बनौलनि। सभी ने बढ़ चढ़ कर हिस्सा लिया और हमे प्रोत्साहित किया! संगहि कुशेश्वरस्थान और हिरनी ग्राम वासी केँ बहुत बहुत धन्यवाद, जे पूरे रास्ता और बाबाथान में सभ रनर केँ अपने सम्मानित और प्रोत्साहित कएलहुँ। दहेज मुक्त मिथिला केर सभ कार्यकर्ता अहाँ सभक तहे दिल सँ धन्यवाद करैत अछि।

मांगरूपी दहेजक प्रतिकार आ स्वेच्छाचारिताक विकास लेल चलि रहल अभियान दहेज़ मुक्त मिथिला केर आवाज एहि रनिंग सँ जनगणमन धरि पहुँचत यैह लक्ष्य अछि।

हरिः हरः!!

Related Articles