नैन्सी अपहरण-बलात्कार-हत्या केर केस मिथिलाक धरती केँ कलंकित करयवला दुर्भाग्यपूर्ण घटना

नैन्सी हत्याकाण्डः आपराधिक अनुसंधान विशेष आलेख

मधुबनी जिला महादेव मठ गाम मे एक ब्राह्मण परिवारक नावालिग बेटी नैन्सी केर पहिने अपहरण, फेर बलात्कार आ तेकर बाद वीभत्स हत्याक घटना समूचा देश केँ हिलाकय राखि देने अछि। प्रारंभिक छानबीन सँ स्पष्ट होएत अछि जे स्थानीय प्रशासनक कतहु न कतहु संदेहास्पद भूमिका भऽ रहल अछि आर अपराधी केँ बचेबाक लेल केस केँ कमजोर बनेबाक प्रयास सेहो होएत देखल जा रहल अछि। एहि सन्दर्भ मैथिली जिन्दाबाद केर संपादक द्वारा विभिन्न पक्ष संग बात केला उपरान्त जाहि तरहक बात सब सोझाँ आयल अछि तेकरा जहिनाक तहिना राखि रहल छी।

नैन्सी हत्याकाण्डः मिथिला समाज पर घोर कलंक
 
कहबी छैक जे नीक रोपब त नीक काटब, खराब रोपला स खराबे फर निकलत। ई कहाबत चरितार्थ होएत अछि महादेव मठ केर ओहि हत्यारा परिवार पर जे शराबक धंधाबाज दुर्जन बेटा सभक जन्म देलक – बिहार केर दारूबन्दी मे पर्यन्त दारू बेचबाक ब्यापार कएनिहार पवन झा आ लालू झा महापात्र ब्राह्मण परिवारक रहितो कूपात्र बनि जेबाक दृष्टान्त सँ मिथिला सन सिद्ध आ शान्त-पवित्र भूमि केँ कलंकित केलक अछि।
 
आब ई मात्र आरोपे नहि बल्कि समाज आ प्रशासन केँ भेटल साक्ष्य सँ सिद्ध भेल अछि जे उपरोक्त दुर्जन कुपुत्रद्वय अपनहि गामक पड़ोसी परिवार केर एक शिक्षाकर्मी रविन्द्र नारायण झा केर १२ वर्षीया नावालिग पुत्री नैन्सी झा केँ पहिने अपहरण, फेर बलात्कार आ बाद मे गर्दैन काटिकय हत्या करैत समूचा लहास केँ एसीड सँ नहबैत तिलयुगा नदी मे जाकय फेंकि देलक।
 
घटनाक विस्तार सँ छानबीन केलापर गामक लोक-समाज सँ पता चलल अछि जे रविन्द्र नारायण झा बल्द स्व. देवानन्द झा केर छोट बहिनक विवाह २६ मई केँ होयबाक बात तय छल। २५ तारीख खानपीन मे घरक पुरुषवर्ग आ समाजक लोक सब पीडिता नैन्सीक पीसीक सासूर गेल छलाह। एम्हर नैन्सी अपन पीसी केँ मेंहदी लगेबाक लेल गेल छल। नैन्सीक अपन अंगना (घर) पीसीक घर सँ कनेक दूर मे स्थित होयबाक कारणे कने अन्हरगर बेरा मे वापसी कय रहल छल, ताबत बीच्चहि बाट सँ आरोपी दुर्जन ओकर अपहरण कय लेलक। घरक लोक जखन देर राति वापस आयल आर घर पर नैन्सीक वापसी नहि हेबाक बात सुनलक, तकैया चालू भेल, शंकाक आधार पर आरोपी व्यक्तिक घर मे लोक सब जबरदस्ती केबाड़ खोलबा प्रवेश केलक त आरोपी व्यक्ति सब नशा मे धूत्त अवस्था मे भेटल आर पूछला पर अन्जान बनि नैन्सीक अता-पता बतबय सँ मना कय देलक। बात थाना-पुलिस धरि पहुँचि गेल। थानेदार सेहो एलाह, नशाक हालत मे आरोपी सब केँ देखितो ओ तत्क्षण कोनो कार्रबाई करबा मे चूक कएलनि, गाम-समाज आ पीडिता परिवारक लोक बतौलक।
 
पीडित परिवारक सदस्यक मुताबिक यदि थानेदार तत्क्षण कार्रबाई करितथि, आरोपी केँ हाजत मे लय जइतैथ त संभवतः नैन्सीक जान बचि सकैत छलैक। शंका यैह छलैक जे आरोपी अपनहि घर मे मुंह-तुंह बान्हि, हाथ-पैर बान्हि पीडिता केँ नुकौने छल, लेकिन जेना साधारणतया होएत छैक, दारूक धंधा कएनिहार अपन पैसा आ रसूख सँ थानाक लोक केँ सेहो अधिकांशतः मिलेने रहैत अछि…. यैह मुख्य कारण बनलैक जे नहि त थानेदार ओकरा पकड़बाक प्रयास कएलनि, नहिये नैन्सी केँ तकबाक लेल द्रुतगति सँ खोजी कुत्ता आदि मंगाओल गेल। एम्हर घर मे अनेक शंकाक अवस्था बनितो बेर-बेर आरोपी व्यक्ति दिश सभक ध्यान जाएत रहलाक बादो सीमित सामर्थ्यक कारण ओहि राति बस चिन्ता मे सब कियो समय बितेलक। एम्हर-ओम्हर इजोत बाड़ि-बाड़िकय तकैया होएत रहल मुदा नैन्सी न खेत-पथार मे, नहिये कलम-गाछी मे, नहिये अगल-बगल केर गाम मे… कतहु नहि भेटलीह।
 
ऐगला दिन पोखैर सब मे सेहो जाल-ताल खसाओल गेल जे कहीं कतहु पानि-तानि मे त नहि डूबि गेल। मुदा कतहु कोनो सुराक नहि लागल। बियाहक घर – सब तैयारी पूरा – आब कोना कि कएल जाय…. परिवार मे बड पैघ उहापोहक अवस्था बनि गेल छल। सम्भ्रान्त मैथिल ब्राह्मण परिवार मे शुभ कार्य मे जँ एहेन स्थिति बनि जाएत छैक त स्वाभाविके रूप मे तय तिथि केँ विवाह कार्य करबाक निर्णय केँ यथावत् रखबाक निर्णय लेल जाएत छैक। लेकिन परिवारक स्थिति किछु आरे संकेत कय रहल छलैक। होएत-होएत विवाह कन्याक मातृक निर्मली मे पूरा करबाक काज २६ केँ संपन्न कएल जेबाक निर्णय लेल गेल। मुदा पीड़ित परिवार केर आधा सदस्य तकैया मे एम्हर-ओम्हर भटकैत रहल, आर आधा परिवार वरपक्षक संग जेना-तेना दुःखी मन सँ विवाह कार्य पूरा करबाक काज कएलनि। हरेक गंभीर सज्जन मानव स्थितिक आकलन कय सकैत छी जे परिस्थिति केहेन छल, कि सब भेल होयत आ एम्हर १२ वर्षक नावालिग बच्चाक इज्जत सँ खेलबाड़ कएनिहार दुर्जन मनुक्ख केँ अपन कूकर्म पर पर्दा देबाक लेल ओकरा मारिकय लहास सलटेबाक कुबुद्धि आ समय सब भेट गेल। कपड़ा मे बान्हि लहास केँ तिलजुगा नदी मे फेक एबाक समय – मौका सब भेट गेल। पुलिस कार्रबाईक शिथिलता एहि सँ सेहो स्पष्ट होएत अछि जे लहास केर तकबाक काज पर्यन्त परिवारहि केर सदस्य द्वारा विवाहक प्रात २७ मई साँझ 5 बजे करीब तिलजुगा नदीक किनार कयल गेल आर फेर पुलिस पर हत्या आदिक अनुसंधान केर दबाव बनल।
 
पुलिस द्वारा तफ्तीशक कार्य लेकिन ईमानदारी सँ कएल गेल ई कहबा मे कोनो हर्ज नहि, भले पहिल दिन द्रुत कार्रबाई मे ढिलाइ भेल हो…. मुदा बाद मे खोजी कुत्ता सँ सब बातक छानबीन भेला पर खोजी कुत्ता ३-३ बेर आरोपी व्यक्तिक घर मे पैसल। जाहि चक्कू सँ ओकर गला रेतल (काटल) गेल ओहो चक्कू आरोपीक घर सँ भेटल अछि, परिवारक सदस्य कहलनि। थानेदार सँ गप केलापर पता चलैत अछि जे साक्ष्यक खोजी आ अनुसंधान एखनहु जारी अछि। थानेदार दुइ आरोपी केँ पकड़बाक आ जेल चलान करबाक बात सेहो गछलैन। सोशल मीडिया पर नैन्सी केँ न्याय देबाक लेल ऊफान मचल अछि। एतय विराटनगर मे पूर्व निर्धारित कार्यक्रम मे व्यस्त रहितो रियल राइजिंग स्टार आ मैथिली-मिथिलाक रियल ब्रान्ड एम्बैसेडर मैथिली ठाकुर सेहो एहि घटनाक निन्दा करैत दोषी ऊपर कड़ा सँ कड़ा कार्रबाई करबाक अपील केली अछि। चारूकात एहि घटना सँ कोहराम मचि गेल अछि। पीड़िताक पिताक मामा निरंजन कुमार झा मैथिली जिन्दाबाद सँ विस्तृत वार्ता करैत आक्रोश व्यक्त केलनि अछि। ओ पूर्व मे घटल आपसी रंजिशक कथा सेहो कहलैन अछि। लेकिन ओहो कथा मे कूकर्मी हत्यारा सभक लूज कैरेक्टर आ लड़की छेड़छाड़ केर घटना आ तेकरा चलते आपसी मारिपीट केर बात छल। कहबाक तात्पर्य ई अछि जे कोनो सूरत मे ई घटना केँ घटेनिहार आरोपी प्रति बचावक रास्ता नहि बचैत अछि। ई आततायीपूर्ण घटनाक लेल फास्ट ट्रैक कोर्ट सँ सुनवाई करैत आरोपी केँ कठोर सजा देल जाय जाहि सँ फेर दोसर केकरो हिम्मत नहि होएक जे एहेन घटना सँ मिथिला या देशक कोनो समाज केँ कलंकित करय।
 
हरिः हरः!!
मुद्दा पर प्रशासन आ संचारकर्मीक लापरवाही

स्थानीय संचारकर्मीक चुप्पी सँ स्थानीय प्रशासन ऊपर कोनो खास दबाव नहि बनि सकल छल। परन्तु सोशल मीडिया मार्फत घटनाक वीभत्स तस्वीर किछु एहि तरहें वायरल भेल जे धीरे-धीरे ई दाबल जा रहल मुद्दा राष्ट्रीय स्तर पर प्रसारित भऽ गेल। २७ मई केँ नदीक कंछैर सँ लहास भेटबाक ३ दिनक बाद राष्ट्रीय चैनल द्वारा एहि पर संज्ञान लेल  जा सकल। राष्ट्रीय चैनल पर प्रसारित मधुबनी जिला पुलिसक आला अफसर केर बयान सेहो यथास्थिति केँ दबबैत प्रतीत भेल। लहासक पोस्टमार्टम रिपोर्ट जे मधुबनीक सरकारी अस्पताल द्वारा कएल गेल अछि तेकरो लिखाइ आ भाषा अस्पष्ट तथा विवादास्पद मानल जा रहल अछि। एना लागि रहल अछि जे अपराधी केँ बचेबाक लेल प्रशासन पर कोनो ऊपरका दबाव कारगर ढंग सँ काज कय रहल अछि। राष्ट्रीय चैनल पर मुद्दा केँ पहुँचेबाक महत्पूर्ण कार्य मैथिल यूथ परिषद्, मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन व आम मैथिल समाज द्वारा दिल्लीक जन्तर-मन्तर पर कैन्डल मार्च केँ जाएत अछि। तहिना गाम-समाज सँ लैत सौंसे सोशल मीडिया पर एहि केस मे क्षण-क्षण केर बात विभिन्न संस्था व व्यक्ति द्वारा लिखल जा रहल अछि। राज्य प्रशासन पर दबावक परिणाम ई भेल जे आइ १ जून स्पेशल इन्वेस्टीगेसन टीम सेहो पीडिताक गाम केर दौरा पर आयल। आइ ओहि गाम मे मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन व अन्य सामाजिक संस्था सभक कारिन्दा सेहो पीडित परिवार संग भेंटघांट आ संग देबाक लेल पैघ संख्या मे पहुँचल छल। परसू भारतीय जनता पार्टीक नेता गोपालजी ठाकुर व अन्य पदाधिकारी सब सेहो पहुँचल छलाह। तहिना जन अधिकार पार्टीक पप्पू यादव सेहो ओतय पहुँचि पुलिस अनुसंधान मे कोनो तरहक कोताही नहि बरतबाक लेल प्रशासन पर दबाव देलनि। ऐगला रवि दिन मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा सेहो धरना कार्यक्रम राखल गेल अछि। चौतर्फा दबाव मे पकड़ायल अपराधी केँ फाँसी पर चढेबाक मांग जोर पकड़ि रहल अछि।