Search

आबि रहल छी जोगबनीः मैथिली ठाकुर

दिल्ली, मई २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मैथिली-मिथिलाक सूपर स्टार आर दुनियाक ‘राइजिंग स्टार’ मैथिली ठाकुर केर सुमधुर शैली मे मैथिली गायन संग शास्त्रीय गायन शैलीक लाखों प्रशंसक हुनकर एक झलक पेबा लेल बेहाल रहैत अछि। भारत-नेपाल केर सीमा नगर अररिया जिलाक जोगबनी केर उच्च विद्यालय प्रांगण मे २८ मई केँ आयोजित अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति महोत्सव २०१७ मे मैथिली ठाकुर आबि रहली अछि।

मैथिली दिल्ली सँ बागडोगरा हवाई मार्ग द्वारा अबैत समय अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत “आबि रहल छी” कहैत जोगबनी आयोजनक आमंत्रण पत्र शेयर केली अछि। एम्हर चारूकात कानो-कान लोक सब मैथिली केर कार्यक्रम देखबाक योजना बना चुकल छथि। दुनू कातक हजारों मैथिली प्रेमी आइ महोत्सव देखय लेल पहुँचता, एहेन घड़ी मैथिली ठाकुर द्वारा देल गेल स्टेटस अपडेट केर सेहो बड पैघ महत्व छैक।

संयोजक वरुण मिश्र जानकारी देलनि अछि जे मैथिली केर अलावे आरो-आरो मिथिला स्टार सब एहि महोत्सव मे सहभागिता देमय जा रहल छथि। कखन हरब दुःख मोर फिल्म मे विद्यापतिक भूमिका निर्वाह कएनिहार अभिनेता एवम् वरेण्य समाजसेवी फूल सिंह केर सहभागिता होयत। तहिना ज्योति मिश्रा, स्नेहा झा, परम्परा वर्मा आदि सेहो एहि महोत्सव मे औती। मैथिलीक प्रसिद्ध उद्घोषक रामसेवक ठाकुर केर सहभागिता होयत। एहि महोत्सव सँ मैथिली भाषाक मिठास आ मिथिला सभ्यताक प्राचीनता केँ नव पीढी मध्य पुनः स्थापित करबाक एक पुनीत उद्देश्य निहित अछि, श्री मिश्र बतौलनि।

Related Articles