Search

आबि रहली अछि रियल राइजिंग स्टार मैथिली ठाकुर फेरो विराटनगर-जोगबनी मे

विराटनगर, २१ मई – २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

हालहि अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल शिक्षाविद् सम्मेलन २०१७ विराटनगर मे अति विशिष्ट अतिथिक रूप मे सहभागी राइजिंग स्टार केर उप-विजेता मैथिली ठाकुर एक बेर फेर एहि क्षेत्र मे आबि रहली अछि।

जोगबनी मे अन्तर्राष्ट्रीय विद्यापति महोत्सव केर आयोजन आगामी २८ मई केँ होयत जाहि मे मैथिली ठाकुर, स्नेहा झा, विद्यापतिक भूमिका निर्वाह कएनिहार प्रसिद्ध सिने-अभिनेता फूल सिंह सहित अनेकानेक हस्ती सभक आगमन होमय जा रहल अछि। संयोजक वरुण मिश्र जनतब दैत कहलनि अछि जे जोगबनी मे पहिल बेर मैथिलीभाषी समाजक एकजूटता सँ एतेक पैघ स्तरक कार्यक्रमक आयोजन कएल जायत जाहि मे भाषा, संस्कृति प्रति योगदान देनिहार विभिन्न सर्जक लोकनि केँ सम्मान सेहो देल जायत। राइजिंग स्टार मे उप-विजेता रहली मिथिलाक बेटी मैथिली ठाकुर आर तहिना अपन अप्रतिम प्रतिभा सँ समूचा सूबा मे नाम चमकेनिहाइर गायिका स्नेहा झा केर विशिष्ट सम्मान समारोहक आयोजन एहि महोत्सवक मुख्य हिस्सा होयत। मिथिला विकास परिषद् जोगबनी द्वारा होमय जा रहल ई आयोजन उच्च विद्यालयक विशाल मैदान मे होयत।

संयोजक मिश्र केर अनुसार ‘कखन हरब दुःख मोर’ जे महाकवि विद्यापतिक जीवन पर आधारित सफल फिल्म बनल अछि ताहि मे विद्यापतिक भूमिका कएनिहार अभिनेता तथा मिथिलाक पुत्र बेगूसराय निवासी फूल सिंह केर विशिष्ट उपस्थिति होयत। हुनका द्वारा संचालित मिथिलाक लोकमानस मे बाबा विद्यापतिक महत्ता केँ स्थापित करबाक विभिन्न सामाजिक – आर्थिक अभियान पर प्रकाश सेहो देल जायत। विदित हो जे विद्यापति सेवा केन्द्र केर नाम सँ घरेलू उत्पादक बिक्री-वितरण आ महिला सशक्तीकरणक संग बेरोजगारीक समाधान लेल कतेको रास सहकारिता संस्थान बना मिथिला समाज केँ सहयोग कएल जाएत रहल अछि। विद्यापति प्रति फूल सिंह केर समर्पण नमन योग्य अछि कियैक त ओ ई मानैत छथि जे महाकवि एकटा अवतारी पुरुष छलाह जिनकर स्मरण हर समय हर पल लोक समाज केँ करब आवश्यक अछि। ओ नून, चाह पत्ती, आदि उत्पाद सेहो ‘विद्यापति सेवा केन्द्र’ केर मार्फत सँ घर-घर पहुँचाबैत लोकमानस मे विद्यापति केँ स्थापित करबाक काज कय रहला अछि। विगत किछु मास सँ अररिया, सुपौल, पुर्णियां, कटिहार आ किशनगंज जिला सब मे विद्यापति सेवा केन्द्र नीक काज कय रहल अछि। एहि बीच ई अन्तर्राष्ट्रीय समारोह सीमाक्षेत्र जोगबनी मे करबाक अलगे महत्व अछि।

प्राप्त सूचना अनुसार जनकपुर केर हेलो मिथिला सांगीतिक समूह सेहो सहभागी होयत। तहिना विधान पार्षद् विनोद नारायण झा विशिष्ट अतिथिक तौरपर सहभागी बनता। एहि समारोहक आयोजन मे मिथिला समाजक बुजुर्ग लक्ष्मीकान्त झा सहित अन्य गणमान्य मैथिल समाज आ सहयोगी लोकनि उल्लेखनीय भूमिका निर्वाह कय रहला अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी सेहो सहयोगी एवं सल्लाहकार केर रूप मे एहि समारोहक सफलता लेल कार्यरत छथि। नेपाल तथा भारतक मिथिला सहित अन्यान्य विशिष्ट अतिथिक सहभागिताक अपेक्षा कएल जा रहल अछि।

कार्यक्रम दिनक १ बजे सँ आरम्भ होयत। महाकवि विद्यापति केँ श्रद्धाञ्जलि स्मृति कएला उत्तर अभियानादिक परिचय एवम् विशिष्ट वक्ताक संबोधन कएल जेबाक कार्यक्रम अछि। तदोपरान्त दुनू विशिष्ट गायिका मैथिली ठाकुर आ स्नेहा झा केर सांगीतिक प्रस्तुति सँ ई दिवस अविस्मरणीय बनत, संयोजक मिश्र ई अपेक्षा रखलैन अछि।

ऐगला दिन २९ तारीख मैथिली ठाकुर केँ नेपालक विभिन्न औद्योगिक संस्थान बीच संग एकटा संछिप्त परिचय कार्यक्रम सेहो आयोजित कएल जेबाक संभावना अछि, ई जनतब सम्पादक प्रवीण नारायण चौधरी करौलनि अछि।

Related Articles