विराटनगर, ५ मई – २०१७ । मैथिली जिन्दाबाद!!
हरेक वर्ष जेकाँ अहु वर्ष विराटनगर मे अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सर्जक लोकनिक सम्मेलन भेल । एहि वर्ष अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल शिक्षाविद् सम्मेलन कएल गेल । भारत केर मिथिला सँ दि इम्पल्स कोटा द्वारा विराटनगर मे अपन शाखा विस्तार केर क्रम मे सन्दिप युनिवर्सिटी केर संयोजक धनंजय झा द्वारा प्रस्तावित शिक्षाविद् लोकनिक सम्मेलन वर्तमान शिक्षा अवस्था पर चर्चा हेतु राखल गेल छल ।
विदिते अछि जे परिकल्पना दहेज मुक्त मिथिला केर आ सहयोग मैथिली जिन्दाबाद केर संग संयोजन प्रवीण नारायण चौधरी केर होएत आयल एहि अन्तर्राष्ट्रीय सम्मेलनक शुरुआत २०१५ सँ भेल – ११ अप्रैल २०१५ केँ मैथिली जिन्दाबाद वेब पत्रिका केर शुभारंभ उत्सवक संग अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली कवि सम्मेलन – २०१५ उपरान्त पुनः पैछला वर्ष दुइ दिवसीय अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल सामाजिक अभियन्ता सम्मेलन २०१६ आर एहि वर्ष अन्तर्राष्ट्रीय मैथिल शिक्षाविद् सम्मेलन २०१७ केर आयोजन कएल गेल अछि । एहि बेरुक आयोजन मे सन्दिप युनिवर्सिटी केर सहयोग बहुत महत्वपूर्ण रहबाक बात आयोजन कहलनि । संगहि नेपाल मे विद्यमान शिक्षा पद्धति अन्तर्गत उच्च शिक्षाक हालत केहेन अछि, अवसर कि सब उपलब्ध अछि, विकल्प केना लोक तकैत अछि – एहि सब विन्दुपर भारत ओ नेपाल केर विभिन्न स्थानक शिक्षाविद् लोकनि सहभागी बनलाह ।
सन्दिप युनिवर्सिटीक संयोजक धनंजय झा केर अलावे प्राचार्य ध्रुव कुमार भारत सँ आयल छलाह । तहिना इम्पल्स कोटा दरभंगाक संचालक राजेश झा केर अलावे वरिष्ट शिक्षाविद् डा. रंगनाथ ठाकुर एवम् शिक्षक लोकनि आर संचालक शंकर बटोहीक सहभागिता छल । राजविराज सँ छिन्नमस्ता तकनिकी शिक्षा केन्द्रक करुणा झा आर विराटनगर केर एनआइटी केर प्राचार्य भगवान् झा सहभागिता देलनि । फारबिसगंज एमपीएस केर प्रतिनिधिक अतिरिक्त जेनिथ पब्लिक स्कूल केर प्रकाशचन्द्र विश्वास सेहो आयल छलाह । विराटनगर मे कार्यरत विभिन्न शिक्षा परामर्श केन्द्रक संचालक यथा कृष्ण यादव सेंट जेबियर्स कोचिंग संस्थानक आर एचीवर्स केर प्रतिनिधि लोकनि सेहो भाग लेलनि । मेरीगोल्ड केर भेषराज पोखरेल तथा वरिष्ठ शिक्षाविद् भेष प्रसाद धमला केर सहभागिता मुख्य प्रस्तोताक रूप मे देखल गेल । एहि कार्यक्रमक अध्यक्षता मैथिली सेवा समितिक संस्थापक अध्यक्ष डा. सुरेन्द्र नारायण मिश्र कएलनि, प्रमुख अतिथि प्रा. डा. अरुण कुमार दास, विशिष्ट अतिथि पुर्वाञ्चल विश्वविद्यालयक पूर्व परीक्षा नियंत्रक सुशील कुमार झा, मोरंग कैम्पस केर प्राध्यापक अनिल कुमार झा, इस्लामिया मदरसाक मो. ताजीम अहमद सेहो विषय पर वक्ताक रूप मे भाग लेलनि । मंच संचालन नेपाली भाषाक जानल-मानल कवि सुमन पोखरेल कएलनि । मैथिली, नेपाली आ उर्दूक कवि लोकनि सेहो सहभागिता देलनि । कार्यक्रम मे पूजा गुप्ता, सुभाषचन्द्र झा, जयराम यादव यदुवंशी, राजा बाबू, आभा अनुपमा, राधा मंडल, आशा झा, बरुण मिश्र, वन्दना चौधरी, विद्यानन्द बेदर्दी, दिलीप झा लगायत दर्जनों कार्यकर्ता लोकनिक विशेष योगदान रहल छल । राजविराज सँ सहभागी शिक्षाविद् देवेन्द्र मिश्र केर दुइ पोथी क्रमशः गीताक मैथिली अनुवाद आ मैथिली मनोहर पोथीक विराटनगर मे विमोचन सेहो अति विशिष्ट अतिथि मैथिली ठाकुर द्वारा कएल गेल छल ।
एहि सभ पूर्व निर्धारित सेमिनार सहभागीक अतिरिक्त एकटा सुखद आश्चर्य ई भेल जे हालहि राइजिंग स्टार सिंगिंग टैलेन्ट लाइव शो सँ बहुचर्चित गायिका मैथिली ठाकुर व हुनक पिता रमेश ठाकुर एवम् भाइ गौरव ठाकुर सेहो एहि कार्यक्रम मे सहभागिता देलनि । इम्पल्स कोटा द्वारा मैथिली ठाकुर केँ ब्रान्ड एम्बेसेडर सेहो बनेबाक घोषणा भेल । मैथिली ठाकुर केँ राइजिंग स्टार मे घपलाबाजी सँ राइजिंग स्टारक खिताब छिनेलाक बाद सँ आक्रोश रहबे करय, आर ई आयोजन मे पहिने सँ ई निर्धारित छल जे भले मैथिली आबैथ या नहि, बल्कि हुनकर सम्मान मे एकटा पब्लिक सेलिब्रेशन होयत । संयोगवश डा. रामसेवक झा केर मार्फत विराटनगर केर ई नियार आ प्रमाणपत्रक प्रारूप समेत मैथिली ठाकुर व हुनक पिता केँ बेलमोहन गामक सम्मान समारोह मे देखायल जा सकल छल । मैथिली काफी उत्साहित सेहो भेलीह आर इम्पल्स कोटाक संचालय राजेश झा केर विशेष आग्रह पर ओ विराटनगर एबा लेल सहमति देलनि । हुनक पदार्पण सँ ई कार्यक्रम मे चारि चाँद लागि गेल ।
सेमिनार मे वक्ता लोकनिक विषय पर संबोधन, कवि लोकनि द्वारा कविता वाचन केर सत्र समापन उपरान्त सांगीतिक सांझ केर आयोजन कएल गेल । एकर संयोजन विरेन्द्र झा कयलनि । स्थानीय ओ बाहरी गायक, नर्तक सब द्वारा भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम कएल गेल । पायल ठाकुर भारदह सँ आयल छलीह । हुनक सुमधुर स्वर मे जय जय भैरवि सँ आरम्भ भागवत मंडल ओ विरेन्द्र झा केर गायन सँ कार्यक्रम रंगारंग प्रस्तुति सब सँ भरल रहल । धिया-पुता कलाकार केर नृत्य आ जबनका छौंड़ा-छौंड़ीक नृत्य सब तरहक मसल्ला एहि समारोहक एकटा नव प्रयोग छल । स्वयं मैथिली ठाकुर मिथिलाक अति प्रसिद्ध एहेन सुन्दर मिथिलाधाम जतय एला पाहुन राम जनकपुर मे आदि गाबिकय दर्शकक मन मोहि लेलनि ।
मैथिली केर सम्मान मे ३६ वर्गफीट केर सर्टिफिकेट अफ आनर मुख्य अतिथि, आयोजक, सहयोगी व आम जनताक हस्ताक्षर सहितक प्रदान कएल गेलनि । मैथिली काफी उत्साहित ओ हर्षित छलीह । हुनकर सम्मान मे मैथिली सेवा समिति सेहो एक प्रशस्ति पत्र प्रदान केलक । हजारों लोक लेल सीधे स्वर्ग सँ उतरल परी जेकाँ मैथिली ठाकुर आकर्षणक मुख्य केन्द्र रहलीह । बाले-बच्चे सँ लैत सब बुढ-पुरान लोक सब मैथिली ठाकुर संग फोटो खींचेबा लेल, अटोग्राफ लेबा लेल आतूर छल । मैथिली अत्यन्त सहज अवस्था मे मुस्कुराइत सब गोटा संग सहकार्य करैत रहलीह । सम्मान पाबि उत्साहित मैथिली सब गोटा केँ एतेक आगू बढेबाक लेल धन्यवाद करैत आगूक दिन मे सेहो एतबे महत्वपूर्ण उपलब्धि सब हासिल करैत मिथिला व मैथिलीक शान केँ बढेबाक वचन देलीह । मैथिलीक पिता रमेश ठाकुर सेहो सभक धन्यवाद ज्ञापन कएलनि । कार्यक्रमक अन्त मे गौरव ठाकुर द्वारा सुमधुर गान प्रस्तुत कएल गेल । मैथिली सेहो छोटे-छोटे रोड़ी गड़इ य यौ बाबा हमरा चललो न जाइयऽ गाबिकय दर्शक पर अपन जादुइ अमिट छाप छोड़िकय विराटनगर केर दर्शक केँ फेरो दर्शन देबाक बात कहिकय विदाइ लेलीह। आयोजक संस्था द्वारा मैथिली ठाकुर केँ विश्व भरिक असली राइजिंग स्टार आर मैथिली-मिथिलाक असली ब्रान्ड एम्बेसेडर केर खिताब सहितक सम्मान पत्र हस्तान्तरित करबाक संग-संग नगद पारितोषिक सेहो प्रदान कएल गेल छल । विराटनगर मे चुपके सँ मैथिली के आयब आ कार्यक्रमक प्रस्तुति देब एकटा अनुपम चर्चाक विषय बनि गेल अछि । लाखों लोक हाथे टा मैलकय रहि जेबाक बात कहि रहला अछि, अतः मैथिली केँ दोबारा जल्दिये विराटनगर या जोगबनी आनल जेबाक नियार आयोजक द्वारा खबरि देल गेल अछि ।