डॉ. रामसेवक झा, बेलमोहन गाम केर समारोह स्थल सँ।
अप्रैल 27, 2017. मैथिली जिन्दाबाद।
घोघरडीहा प्रखण्ड केर बेलमोहन गाम में आइ एक समारोह में मैथिली ठाकुर केँ मिथिलाक नाम विश्व पटल धरि अपन कला ओ विशिष्ट गायन मार्फत कलर्स टीवी पर हालहि प्रदर्शित राइजिंग स्टार कार्यक्रम मार्फत करबाक लेल अति विशिष्ट सम्मान प्रदान कयल गेलनि अछि।
मैथिली एहि सम्मान प्रति हार्दिक कृतज्ञता प्रकट करैत राइजिंग स्टार में मिथिलाक बेटी केँ आगू बढ़ेबाक लेल सम्पूर्ण मिथिलावासी व् देशवासी केँ धन्यवाद आ आभार सेहो प्रकट केली। अपन जिला आ गाम-गाम में सम्मान भेटब अपना केँ कृत कृत्य होयबाक अनुभूति देबाक अभिव्यक्ति देलाक बाद उपस्थित दर्शक ओ अभिभावक लोकनि मैथिली लेल सम्मान में स्थान सँ उठिकय सम्मान देलनि।
सम्मान उपरांत आयोजित सांस्कृतिक कार्यक्रम में मैथिली ठाकुर केर स्वर सुनि दर्शक सब बाग बाग भ गेलाह। संगहि श्वेता रानी, प्राची झा, आकाशवाणी कलाकार दीपक कुमार झा, व् अन्य कलाकार लोकनि सेहो सुमधुर गान प्रस्तुत कयलनि।
कार्यक्रमक सञ्चालन प्रसिद्ध रेडियो संचारकर्मी मणिकांत झा कयलनि। सरोजानन्द ठाकुर, प्रमोदानन्द ठाकुर, मुरारी ठाकुर, सुधांशु ठाकुर, सुरेन्द्र झा सहित अनेको गणमान्य लोकनि सहभागी भेलाह एहि कार्यक्रम में।

1 Comment
Maithilik sarva shresth kalatmak prastuti aor pratham ael kalakar k kshamta me kono saamanjasya nahi laagal. Hunka vote avashya kichhu adhik bhetlani muda हमरे जकाँ बहुतों श्रोता तहि व्यवस्था स अधिक आश्वस्त नहि छईथ। यदि ई जीत केवल वोट आधारित छल त मिथिलाK दुर्भाग्य जे अधिक स अधिक वोटक संयोजन नहि कैल जा सकल । एंकर निवारण सोचनीय विषय । मिथिला राज्यक स्वप्न के यथार्थ में बदलबाक पाछु सहो किछु समरूप असमंजस आ उदासीनता उत्तरदायी ऐछ । तथापि मैथिली ठाकुरK उद्भव आ विकास दिनानूदिन अग्रसर hoit rahani से शुभकामना ऐछ । जय मैथिली, जय मिथिला।