समाचार साभारः हिन्दी अखबार
प्रस्तुतिः मनीष कुमार सहाय वर्मा – बिहार १०० के आगे
सत्यनारायण झा, उम्र ५५ वर्ष, मधेपुरा
- हाईस्कूल मे हेडमास्टर छथि सत्यनारायण
- तीन साल सँ बाल सुधार केन्द्र चला रहला अछि
- पहिला सँ दसम कक्षाक छात्र केँ मुफ्त पढबैत छथि
- कम सँ कम १०० छात्र पढाई कय रहल अछि हिनका द्वारा संचालित केन्द्र मे
- जरुरतमंद बच्चा केँ पाठ्यसामग्री देल जाएत छैक
- नीक करयवला बच्चा केँ प्रोत्साहन राशि सेहो दैत छथिन
- हुनकर धर्मपत्नीक सेहो यैह इच्छा छल
- बच्चा केँ संस्कारवान आ उद्यमी बनाबय चाहैत छथि
वंचितक सेवे टा धर्म
पैसा कमेबाक होड़ आर आत्मकामी होएत समाज मे एखनहु कतेको एहेन चेहरा छथि जिनकर कर्म आ धर्म समाज सेवा थिक। ओ वंचित केर सेवा मे सुख-शांति पबैत छथि। एहने कर्मठ व्यक्तित्व छथि सत्यनारायण झा – मधेपुरा (बभनी, गम्हरिया) केर सत्यनारायण बाबू पारसमणि उच्च विद्यालय मे प्रधानाध्यापक छथि। ओ समाजक गरीब एवम् वंचित बच्चा सब मे शिक्षाक महत्व जगेबाक कार्य मे जुटल छथि। हुनकर पत्नी स्वर्गीय रेणु केर सेहो यैह सपना रहनि। ओ चाहैत छलथि जे गरीबीक अभिशाप मे पड़ल बच्चा सब केँ पढा-लिखाकय शिक्षित नीक मनुष्य बनायल जाएक। सत्यनारायण बाबू बभनी गाम मे गरीब बच्चा सब लेल तीन वर्ष सँ रेणु बाल सुधार केन्द्र चला रहला अछि। एहिमे पहिला सँ दसमा कक्षा धरिक छात्र केँ मुफ्त शिक्षा देल जाएछ। एहि कार्य मे ओ किछु आरो शिक्षक लोकनिक सहयोग लैत छथि। एहि केन्द्र मे जरुरतमंद बच्चा केँ पाठ्यसामग्री सेहो देल जाएत छैक।
प्रोत्साहन राशि सेहो दैत छथिन
साल मे एक बेर नौवाँ आ दसमा कक्षा मे प्रथम, द्वितीय आ तृतीय स्थान प्राप्त करयवला बच्चा केँ केन्द्र केर तरफ सँ प्रोत्साहन राशि सेहो देल जाएछ। एतबे नहि, एहेन बच्चाक अभिभावक सेहो सम्मानित कएल जाएत छथि।
सत्यनारायण बाबूक कहना अनुसार गरीब आ वंचित बच्चा केँ नहि सिर्फ शिक्षित कयकेँ संस्कारवान बनाबय चाहैत छी, बल्कि ओकरा सब केँ उच्च पद सब पर नौकरी करय योग्य तथा सफल उद्मी सेहो बनेबाक कोशिश कय रहल छी।
जँ, हिनकर कहानी अहाँ केँ प्रेरित करैत अछि त बिहार केर भविष्य केँ सम्हारबाक लेल एसएमएस करी BIHAR 09 आर पठा दी ५४२४२ पर।