अमित आनन्दकेर अभियानक प्रथम पड़ाव – सिन्धुली बाजार

The shadow of an Indian Air Force aircraft carrying relief material is cast on clouds as it approaches landing in Kathmandu, Nepal, Monday, April 27, 2015. Shelter, fuel, food, medicine, power, news, workers ó Nepal's earthquake-hit capital was short on everything Monday as its people searched for lost loved ones, sorted through rubble for their belongings and struggled to provide for their families' needs. (AP Photo/Altaf Qadri)
The shadow of an Indian Air Force aircraft carrying relief material is cast on clouds as it approaches landing in Kathmandu, Nepal, Monday, April 27, 2015. Shelter, fuel, food, medicine, power, news, workers ó Nepal's earthquake-hit capital was short on everything Monday as its people searched for lost loved ones, sorted through rubble for their belongings and struggled to provide for their families' needs. (AP Photo/Altaf Qadri)
The shadow of an Indian Air Force aircraft carrying relief material is cast on clouds as it approaches landing in Kathmandu, Nepal, Monday, April 27, 2015. Shelter, fuel, food, medicine, power, news, workers ó Nepal’s earthquake-hit capital was short on everything Monday as its people searched for lost loved ones, sorted through rubble for their belongings and struggled to provide for their families’ needs. (AP Photo/Altaf Qadri)

ज्ञात हो जे महिषी सहरसा सँ प्रारंभ नेपाल भूकंप राहत अभियान पर मैथिल अभियानी तथा स्वतंत्र पत्रकार अमित आनन्द आइ राजविराज सँ संध्याक समय काठमांडू लेल मिथिलाक अनुपम डेगक संस्थापक निराजन झा संग निकैल चुकल छथि। आइ प्रथम दिनक यात्रा मे मैदानी भूभागक विभिन्न बाजार मे रुकैत ओहि ठाम भूकंपक प्रभावक निरीक्षण आ रिपोर्ट तैयार करैत प्रथम रात्रिक पड़ाव पहाड़ी क्षेत्र सिन्धुली बाजार मे ठहरला अछि। भारत सँ राहत अभियानक जायजा लेल निकलल स्वतंत्र पत्रकार आ राहत हेतु स्वयंसेवाक भावना सँ बढि रहला अमित आनन्दक टोलीकेँ सिन्धुलीक जनमानस भव्य स्वागत केलक। भारत प्रति सौहार्द्रक प्रदर्शन करैत प्रधानमंत्री मोदीक खूब प्रशंसा करैत आम नेपाली जनमानस अभियानी लोकनिकेँ खूब धन्यवाद ज्ञापन कयलक। हिनका लोकनिक वास हेतु एकटा सुन्दर सनक होटल संगम मे इन्तजाम कय भरपूर आतिथ्य-आनन्द सँ नेपाली भोजनक रसास्वादन करबैत भिनसरे काठमांडू तरफ प्रस्थान करबाक अनुरोध सेहो केलक। सिन्धुली बाजार मे भूकम्पक कंपन टा महसूस कैल गेल, एतय कोनो तरहक जान-मालक क्षति नहि भेल अछि।

मैथिली जिन्दाबाद संग बात करैत अमित आनन्द जानकारी देलनि जे काल्हि कोनो बेर मे काठमांडु सँ आगाँक समाचार विस्तार सँ बतेता। आइ कनेक मौसमक खराबीक कारणे आगाँ जाय सँ परहेज करय पड़लनि। आइ भरि दिन पहाड़ी क्षेत्र मे खूब पाइन पड़ल जाहि मे यात्री लोकनि सेहो भीजि जेबाक बात कहलनि। ई यात्रा एडवेन्चरस होयत आ कोनो प्रकारक खतरा सँ माँ उग्रतारा रक्षा करती – किछु एहि तरहक दृढप्रतिज्ञाक संग अभियान पर ओ सब आगाँ बढि रहला अछि। खबैड़ इहो भेटल अछि जे पानिक कारणे आइ राहत कार्य मे सेहो काफी दिक्कतक सामना करय पड़लनि काठमांडु मे। संगहि नेपालक जनमानस द्वारा भारतीय मिडियाक वाहवाही आ भारत सरकारक वाहवाही सँ नेपाल मे किछु राजनीतिक वातावरण सेहो बनय लागल अछि ताहि तरहक समाचार भेटल अछि।

एहि ठामक मिडियाकेँ भारतीय मिडियाक सौहार्द्रता प्रति कृतज्ञताक बदला यदा-कदा भारतीय सेना आ मिडिया द्वारा केवल भारतीय जनता प्रति राहत पहुँचेबाक समाचार प्रकाशित कैल गेल अछि। संगहि काठमांडु एयरपोर्ट पर आन देशक राहत नहि पहुँचय देबाक आ भारतीय सेनाक हस्तक्षेपक बात सेहो कैल गेल अछि। लेकिन ई सब मात्र आम जनमानस मे नेपाली मिडिया आ राजनीतिकर्मी प्रति नकारात्मकता सँ उपजल एकटा पूर्वाग्रही राजनीतिक वातावरण टा मानल जा सकैत अछि। आम पीड़ित जनता तक गाम-गाम आ भीतर धरि राहत पहुँचय एहि लेल भारतीय मिडिया द्वारा भरपूर प्रयास कैल जा रहल अछि। आब इन्तजार करू मैथिली जिन्दाबाद पर श्री अमित आनन्द द्वारा पठायल जायवला विस्तृत समाचार केँ।