मैथिल समाज नेपाल – बुटवल केर दसम् वार्षिकोत्सव धूमधाम सँ पूरा भेल

बुटवल मैथिल समाजक दसम वार्षिकोत्सव संपन्न

बुटवल, नेपाल। मार्च २७, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

दिनाड़्क 2073/12/12 गते शनिदिन अर्थात् २५ मार्च, २०१७ केँ मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवलक 10म् बार्षिकोत्सव, 10म् साधारण सभा तथा 5म् अधिवेशन बुटवल उप-महानगरपालिका-6, हाट बजार स्थित सिद्धार्थ गौतम बुद्ध क्याम्पसक सभागार में समाजक अध्यक्ष मुखीलाल चौधरीक सभापतित्व तथा नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानक प्राज्ञ परिषद सभासद एवं एहि समाजक सल्लाहकार मिथिला रत्न प्राज्ञ श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षीक प्रमुख आतिथ्य में कएल गेल अछि ।

5 गोटे निम्नलिखित मिथिला आ मैथिली अभियानी सभकेँ प्रशस्ती-पत्र संगहि दोसल्ला ओढ़ाकऽ मानार्थ सदस्यतासँ सम्मान कएल गेल छलैया ।
1) श्रीधीरेन्द्र प्रेमर्षी , सिरहा
2) श्रीमती रूपा झा, सिरहा
3) श्रीमती मीना ठाकुर, सप्तरी
4) श्रीरामस्वार्थ ठाकुर, महोतरी
5) श्रीयुक्ति मरिक डोम, सप्तरी

लुम्बिनी क्षेत्र में रहनिहार एस एल सी परीक्षा में सर्वाधिक अंक प्राप्त कएनिहारि/ कएनिहार निम्नलिखित एकटा मैथिल बचिया/बच्चा सबकेँ जनही नगद रू•3,100/- संगहि सम्मान-पत्र एवं “नविनकुमार सिंहक तस्बीर” अंकित आ “नवीनकुमार सिंह स्मृति पुरस्कार” लिखित स्नेहक प्रदानकऽ सम्मान कएल गेल छलैन ।

1) श्रीआशुतोष सिंह,
सुपुत्रःश्रीअशोककुमार सिंह/श्रीमती ममता सिंह

2) सुश्रीआरती साह
सुपुत्रीःरामकुमार साह/श्रीमती सीता साह

GPA 3.20 आ GPA 3.20 सँ अधिक प्राप्त कएनिहारि/कएनिहार निम्नलिखित मैथिल बचियाँ/बच्चाकेँ सम्मान-पत्र प्रदानकऽ सम्मानकऽ कएल गेल छलैया ।

1) सुश्री संगीता पंडित
2) सुश्रीआकृति ठाकुर
3) श्रीशनिकुमार साह

“नवीनकुमार सिंह स्मृति पुरस्कार” नवीनकुमार सिंहक पिता श्रीउदयकुमार सिंहद्वारा मैथिल समाज नेपाल रुपन्देही, बुटवल में रू• 1,01,111/- क अक्षय कोषक स्थापना कऽ स्थापित कएल गेल अछि ।

पुरस्कार स्थापनाक हेतु श्रीसिंहकेँ प्रशस्ती पत्रक संगहि दोसला ओढ़ाकऽ सम्मान कएल गेल छलैया । पुरस्कार स्थापनाक हेतु श्रीसिंहकेँ प्रति हार्दिक धन्यबाद आ आभार प्रकट करैत छी ।

सिद्धार्थ न पा- 6, भैरहवाक रहनिहार संवेदनशील,विवेकशील आ सदभाव सँ परिपूर्ण व्यक्तित्व तथा समाजसेवी श्रीअमरकुमार झाकें हुनक बिशिष्ट आर्थिक सहयोगक हेतु सम्मान-पत्रक संगहि दोसला ओढ़ाकऽ सम्मान कएल गेल छलैया ।हुनक द्वारा प्रदत्त रू• 10,000/- बुटवल उप-महानगरपालिका-13, प्रगतिनगर स्थित “नेपाल अपाड़्ग तथा अनाथ आश्रम” केँ भवन निर्माण सहयोगार्थ प्रदान कएल गेल छल । श्रीझा 2073 भादो में सिद्धार्थ न• पा•, भैरहवा स्थित भीम अस्पतालक बिरामीसभ में बितरण कएल गेल फलफूलक हेतु रू•5,000/- प्रदान कएने छलाह ।

10 म् बार्षिकोत्सव में 37 गोटेकेँ “युगल जोडी आजीवन सदस्यता सम्मान-पत्र” क संगहि डोपटा ओढ़ाकऽ सम्मान कएल गेल छलैया आऔर 44 गोटे आजीवन सदस्य लोकनिकेँ आजीवन सदस्यताक प्रमाण-पत्र बितरण कएल गेल छलैया ।

समाजक आय-व्यय पारदर्शी बनयबाक हेतु समाजक आजीवन सदस्य द्वय श्रीरामउदगार यादव आ श्रीमनोजकुमार मंडलद्वारा आन्तरिक लेखा परीक्षण कराएल गेल छलैया ।हिनका सभकेँ स्नेहक प्रतिक प्रदानकऽ सम्मान कएल छलन्हि ।

“जीतिया महोत्सव-73” में नृत्यसँ मनोरञ्जन कएनिसारि/कएनिहार 6 गोटे बचियाँ/ बच्चाकेँ “जीतिया महोत्सव-73” लिखल स्नेहक प्रतिक प्रदानक संगहि “10 म् बार्षिकोत्सव” में अपन-अपन नृत्यसँ मनोरञ्जन कएनिहारि/ कएनिहार 7 गोटे बचियाँ/बच्चा सभकेँ जनहि नगद रू• 1,000/- संगहि “10म् बार्षिकोत्सव” लिखल स्नेहक प्रतिक प्रदान कएल गेल छलैया ।

समाजक अध्यक्षद्वारा समाजकेँ सक्रियतापूर्वक सहयोग कएनिहारि/कएनिहार निम्नलिखित 11 गोटे सदस्य लोकनिकेँ “स्नेहक प्रतिक” प्रदानकऽ सम्मान कएल गेल छलैया ।

1) श्रीबिजयकुमार झा
उपाध्यक्ष, मैथिल समाज नेपाल, बुटवल

2) श्रीनागेन्द्रराय यादव
सचिव, मैथिल समाज नेपाल, बुटवल

3) श्रीमती रीताकुमारी साह
कोषाध्यक्ष, मैथिल समाज नेपाल, बुटवल

4) श्रीमती अनिता झा
अध्यक्ष, मैथिल महिला समाज, बुटवल

5) श्रीजगतनारायण मण्डल
कार्यकारी सदस्य, मैथिल समाज नेपाल, बुटवल

6) श्रीमती सुन्दरी यादव
सचिव, मैथिल महिला समाज ,बुटवल

7) श्रीमती झुमुर सिन्हा
कार्यकारी सदस्य, मैथिल समाज नेपाल,बुटवल

8) श्रीमती ममता सिंह
उपाध्यक्ष, मैथिल महिला समाज ,बुटवल

9) श्रीमती लुना झा
कार्यकारी सदस्य, मैथिल महिला समाज , बुटवल

10) श्रीप्रविणकुमार झा
आजीवन सदस्य, मैथिल समाज नेपाल,बुटवल

11) श्री श्रीनारायण यादव
आजीवन सदस्य, मैथिल समाज नेपाल, बुटवल

समाजक 5 म् अधिवेशन द्वारा निम्नलिखित 11 सदस्यीय कार्यकारी समिति सर्वसम्मति सँ गठन कएल गेल अछि ।

1) अध्यक्ष – श्रीमुखीलाल चौधरी
2) उपाध्यक्ष – श्रीबिजयकुमार झा
3) सचिव – श्रीनागेन्द्रराय यादव
4) सहसचिव – श्रीअमरेन्द्रकुमार सिंह
5) कोषाध्यक्ष- श्रीरामउदगार यादव
6) सदस्य – श्रीजगतनारायण मण्डल
7) ,, – श्रीविमलकुमार ठाकुर
8) ,, – श्रीमती सुन्दरी यादव
9) ,, – श्रीमती झुमुर सिन्हा
10) ,, – श्रीप्रवीणकुमार झा
11) ,, – श्रीमती ममता सिंह
12) पदेन सदस्य – श्रीमती अनिता झा, अध्यक्ष

मैथिल महिला समाज , बुटवल

13) ,, ,, – श्री सुदिष्टकुमार सिंह, अध्यक्ष
मैथिल बिद्यार्थी समाज,बुटवल

10 म् बार्षिकोत्सवक सफलताक लेल मिथिलासँ निम्नलिखित महानुभाव लोकनि सभ अपन- अपन शुभकामना पठौने छथि ।

1) डा राजेन्द्र विमल
बरिष्ठ मैथिली साहित्यकार, जनकपुर

2) श्रीरमेश रञ्जन
प्राज्ञ परिषद सदस्य तथे नाट्य विभाग प्रमुख
नेपाल सड़्गीत तथा नाट्य
नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान काठमाण्डु

3) श्रीनविनकुमार मिश्र
पूर्व अध्यक्ष, श्रीरामानन्द युवा क्लव, जनकपुर

4) डा रेवतीरमण लाल
वरिष्ठ मैथिल साहित्यकार एवं सम्पादक
नैमिकानन मैथिली त्रैमासिक, जनकपुर

5) श्रीदेवेन्द्र मिश्र
पूर्व अध्यक्ष, मैथिली साहित्य परिषद, राजबिराज
सह सम्पादक, मिथिली साप्ताहिक

6) श्रीशुभचन्द्र झा, अध्यक्ष
श्रीश्यामसुन्दर यादव, सचिव
मैथिली साहित्य परिषद सप्तरी, राजबिराज

7) श्रीमती करूणा झा
अध्यक्ष, अन्तर्राष्ट्रिय मैथिली परिषद, नेपाल
राजबिराज, सप्तरी

8) श्रीप्रवीण नारायण चौधरी
लेखक-विचारक , विराटनगर

10 म् बार्षिकोत्सव सफलताक हेतु शुभकामना पठौनिहारि/ पठौनिहार शुभचिन्तक महानुभाव सभकेँ हार्दिक धन्यबाद आ आभार प्रकट करैत छी ।

अध्यक्ष
मुखीलाल चौधरी
मैथिल समाज नेपाल
रूपन्देही, बुटवल ।