जानकी नवमी पर राष्ट्रीय छुट्टीक घोषणा कएल जायः मिथिला राज्य निर्माण सेना

दरभंगा, मार्च २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा आइ दरभंगा मे जिला भाजपा कार्यालय मे जिलाध्यक्ष हरि सहनी केँ जानकी नवमी लेल राष्ट्रीय छुट्टीक मांग केन्द्र सरकार धरि पहुँचेबाक लेल हस्तान्तरण कएल गेल अछि। एकटा स्मारपत्र जाहि मे कहल गेल अछि जे जानकी नवमी बिल्कुल राम नवमीक तर्ज पर राष्ट्रीय छुट्टी हेबाक चाही ताहि आशय केर मांग जिला भाजपाक मार्फत केन्द्र सरकार धरि पहुँचाओल जाय।

स्मार पत्रः

दिनांकः २२ मार्च, २०१७ ।

श्रीमान् जिलाध्यक्ष हरि सहनी जी
भारतीय जनता पार्टी, दरभंगा जिला।

विषयः जानकी नवमी पर केन्द्र द्वारा राष्ट्रीय छुट्टी घोषित करने सम्बन्ध में आपके मार्फत अनुरोध

महोदय,

आज २२ मार्च – बिहार स्थापना की १०५वाँ साल – मिथिलावासियों की पहचान मिटाने का और वर्णसंकर पहचान ‘बिहारी’ थोपने का विरोध जताते हुए आगामी ४ मई को बिहार सरकार के द्वारा जानकी नवमी की छुट्टी राज्य के द्वारा मान्य होने के साथ-साथ केन्द्र से भी पूरे देश में आज के दिन जानकी नवमी बिल्कुल राम नवमी के तर्ज पर सभी को मनाने के लिये राष्ट्रीय छुट्टी घोषित करने की मांग आपके मार्फत केन्द्र की भाजपा सरकार से करने का अनुरोध करते हुए यह स्मार पत्र आपको सौंप रहे हैं।

मर्यादा पुरुषोत्तम राम को पुरुषों में उत्तम बनाने का कार्य जनकसुता मिथिला-धिया जानकी ने ही की और सारा रामायण जानकी के लीला पर ही आधारित होने के कारण हिन्दू धर्मावलम्बियों एवम् अन्य धर्म के माननेवालों के लिये भी जानकी ही मूल आदर्श हैं। अतः इनके जन्म तिथि पर पूरे राष्ट्र में छुट्टी मिलनी चाहिये। इस पुनीत कार्य में हमारे अनुरोध को आप उचित जगहों पर पहुँचायेंगे, यही अपेक्षा है।

आपका विश्वासी,

रंगनाथ ठाकुर
अध्यक्ष, मिथिला राज्य निर्माण सेना।

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर द्वारा हस्ताक्षरित उपरोक्त स्मार पत्र दरभंगा सँ विधायक संजय सरावगी, विधान परिषद सदस्य सुनील सिंह आ पूर्व विधान परिषद सदस्य मिश्रीलाल यादव केर उपस्थिति मे हस्तान्तरण कएल जेबाक जनतब महासचिव राजेश झा करौलनि अछि।

स्मारपत्र मे आइ बिहार दिवस पर मिथिलाक पहिचान मेटेबाक १०५ वर्ष पूरा होयबाक प्रतिकात्मक विरोध सेहो स्पष्ट रूप सँ उल्लेख करैत भारतक केन्द्र सरकार भाजपाक अगुवाई मे रहबाक कारणे ई स्मार पत्र केन्द्र सरकार धरि पहुँचेबाक जिम्मा जिला भाजपाक थिक, मिथिला राज्य निर्माण सेना एक सामाजिक-सांस्कृतिक संगठन केर ई अधिकार छैक जे प्रदेश आ देश मे राजनीति कएनिहार केर मार्फत मिथिला राज्यक मांग केँ पूरा कराबय। मिथिलाक भाषा, संस्कृति आ आर्थिक अवस्था सब चौपट भऽ जेबाक कारण मिथिला राज्य निर्माण एकमात्र समाधान रूप मे देखाएत अछि। ई बात अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर उपस्थित संचारकर्मी सब केँ बतौलनि।