रहुआ-संग्राम मे आइ २५१ कुमारि कन्याक हाथ सँ कलश यात्रा व स्थापना, नवाह काल्हि सँ

डा. रामसेवक झा, रहुआ-संग्राम। मार्च २२, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

विश्व कल्याणक लेल रहुआक पारसमणिस्थान में नवाह संकीर्तनक लेल निकलल कलश शोभा यात्रा

मधुबनी जिलाक रहुआ – संग्राम गाम मे दिनांक २३ मार्च सँ अखंड नवाह संकीर्तन शुरू भऽ रहल अछि । ताहि सँ पूर्व आइ २२ मार्च बुध दिन २५१ कुमारि कन्या लोकनि कलश शोभा यात्रा निकाललनि । ई कुमारि लोकनि बाबा पारसमणि केर पोखर सँ जल भरि गाम भ्रमण केलाक बाद नवाह यज्ञस्थल पर कलश केँ स्थापित कएलनि अछि ।

एहि अवसरपर भक्तिमय वातावरणक शोभा अद्भुत देखायल । गाम आ गामक अगल – बगल सँ हजारों-हजार केर संख्या मे भक्त लोकनि एहि शोभायात्रा मे सहभागिता देलनि ।
काल्हि सँ पारसमणि नाथ स्थानक भक्तिमय वातावरण नौ दिन धरि भगवन्नाम कीर्तन सँ गुंजायमान रहत । आयोजक मैथिली जिन्दाबाद केँ ई जनतब दैत संपूर्ण भक्त जनमानस सँ आग्रह कएलनि अछि जे अपने लोकनि सेहो एहि नवाह संकीर्तन यज्ञ मे मे स्वरदान कय धर्मक भागी बनी । पूर्व मुखिया सह नवाह आयोजक मंडलक अध्यक्ष श्री कमला कान्त झा, सच्चिदानंद झा, दुखमोचन झा, हरिश्चन्द्र झा, गंगा प्रसाद झा, राजकांत झा, विजयभानु सिंह, गणेश प्रसाद सिंह, शिलाकांत झा, सोहन मिश्र, दिवाकर झा सुमनजी, नन्द कुमार मिश्र, घनश्याम झा, मिथिलेश झा, बोलबम झा, बाबूसाहेब झा, राजा मिश्र, रतनजी झा, बेचन मंडल, लक्ष्मी मंडल, बुधियार मंडल, महिचन्द्र झा, महेन्द्र ना ० सिंह, मायानंद पंडा, अशोक पंडा, तारानंद पंडा, कन्हैया पंडा, अमरनाथ पंडा, राधव पंडा और सम्पूर्ण ग्रामीण आजुक शोभायात्रा मे उपस्थित छलाह ।