नेपाल मे भूकंप केर इतिहास

जनबरी १५, १९३४

नेपालक इतिहास मे सर्वाधिक भयावह भूकंप जेकर नाम बिहार-नेपाल भूकंप देल गेल अछि, जाहि मे १६००० लोक नेपाल आर भारत सँ मारल गेल छल, संपूर्ण ऐतिहासिक मकान सब एहि मे ध्वस्त भेल छल, ९-तल्ला धरहरा टावर (काठमांडू) केर सेहो ऊपरका भाग टूटिकय खसि पड़ल छल, रिक्टर स्केल पर ८ आ भूकंपक केन्द्र पूर्वी नेपाल, माउन्ट एवरेस्ट सँ ६ माइलक दूरी पर छल।

A screenshot taken from the National Seismological Centre in Nepal showing the damage caused by an earthquake in Katmandu in 1934 that measured with a magnitude of 8.0.  
National Seismological Centre Nepal

धरहरा टावर केँ दोबारा बनायल गेल छल, मुदा अप्रैल २५, २०१५ केर भूकंप सँ ई पूर्णरूपेण क्षतिग्रस्त भऽ गेल।

Nepalese rescue members and onlookers gather at the collapsed Dharahara tower in Kathmandu on April 25, 2015. A powerful 7.9 magnitude earthquake struck Nepal, causing massive damage in the capital Katmandu with strong tremors felt across neighboring countries. 
Prakash Mathema/Agence France-Presse/Getty Images

जुलाइ २९, १९८०: ६.५ रिक्टर भूकंप, केन्द्र पश्चिमी नेपाल, १०० आदमी मारल गेल आ हजारों मकान ढहि गेल। माल-जालकेर काफी नोकसानी भेल।

अगस्त २०, १९८८: ६.८ रिक्टर – केन्द्र नेपाल-भारत सीमाक्षेत्र धरान। हजार सँ बेसी लोक मारल गेल छल। उत्तरी भारत केर दिल्ली तक हिल गेल छल, पड़ोसी बर्मा आ बंगलादेश मे सेहो भूकंपक कंपन महसूस भेल। जानमाल आ मकान-वस्तुक भारी क्षति भेल छल।

१९९३: हल्का भूकंप, मध्य आ पश्चिमी नेपाल मे – १ आदमी मारल गेल छल।

१९९४: मध्य पश्चिमांचल नेपाल मे आयल भूकंप सँ करीब ८० हजार मकान ढहि गेल, कोनो जानक क्षति नहि भेल।

२००१ सँ २००३: कम मापक भूकंप २००१ मे भेल चल, २ आदमी मारल गेल छल। २००२ मे सेहो कम शक्ति भूकंप सँ ५० आदमी घायल भेल छल आ २००३ मे सेहो किछु एहि तरहक छोट भूकंप सँ २ आदमी मारल गेल छल।

सेप्टेम्बर १८, २०११: ६.९ रिक्टर मापक भारी भूकंप आयल, नेपाल तथा भारत सहित कुल १६ आदमी मारल गेल छल।

अप्रैल २५, २०१५: ७.९ रिक्टर केर भयावह भूकंप, काठमांडुक समीप केन्द्र, भारी जानमालक नोकसानी। भारत आ नेपाल दुनू प्रभावित।