देवडीहा, धनुषा, नेपाल। फरबरी २५, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिलाक अनुपम डेग नामक संस्थाक बैनर तर मे अभियानी विजय कुमार झा मातृभाषा मैथिली मे शिक्षाक महत्व केर प्रचार संग मैथिली पोथी आदिक प्रदर्शनी एवं बिक्रीक काज गाम-गाम मे घूमि-घूमिकय करबाक निर्णय कएलनि अछि। एकर शुरुआत जनकपुर समीपक एक अत्यन्त प्रतिष्ठित गाम देवडीहा सँ कएल गेल अछि। शिवरात्रिक अवसरपर आयोजित दुइ-दिवसीय समारोह मे मैथिली पोथीक प्रदर्शनी एवं बिक्रीक कार्य शुरु कएल गेल अछि।
मिथिलाक समग्र भूगोल मे एखनहु किछु गाम एहेन अछि जतय ऋषि-मुनिक वास प्रत्यक्षतः देखल जा सकैत अछि। ओहि गामक प्राकृतिक स्वरूप आ आवोहवा सब बात सँ पौराणिक कथा-गाथाक वैह स्वरूपक दर्शन होएत अछि जेकर चर्चा हमरा लोकनि शास्त्र-पुराण सब मे पढैत छी। बिल्कुल एहने एकटा गाम देवडीहा थीक – किंवदन्ति अनुरूप ई ओ गाम थीक जतय जानकी जी केर विवाह मे देवगण सब जे बरियाती एलाह हुनका ठहराबय लेल जनमासा बनाओल गेल छल आर जेकर पूर्ण जिम्मेवारी जानकी जीक सेविका ‘ऋद्धि-सिद्धि’ अपने सँ रेख-देख कय केँ पूरा कएने छलीह। ई गाम जनकपुर – जटही सड़क सँ सटले पूब गौंगली वा नगराइन देने या सीधे जनकपुर-बौहर्वा देने खिखिरिया चौक होएत एतय पहुँचल जा सकैत अछि। तहिना हरिणे हरलाखी दिश सँ अकौरा होएत सेहो एहि गामक बाट अछि। हाल धरि गामक बाट कच्ची छल जेकरा पक्कीकरण हालहि होएत देखल जा रहल अछि। बिजली आदि सेहो किछुए वर्ष सँ एतय पहुँचि सकल अछि। टेलिफोन – मोबाइल सेहो आब एतय नीक नेटवर्क सप्लाइ करैत देखाएत अछि। परञ्च सब सँ अधिक जे एहि गामक प्रभावित करयवला बात अछि ओ थीक विद्वत् परम्परा आ धार्मिक आस्थावान व्यक्ति आ समाजक संग कर्मकाण्डक महत्व केँ सेहो सर्वोच्च स्वीकृति देनिहार उच्च सुसंस्कृत ब्राह्मण समुदायक गाम थीक देवडीहा। एतय घरही उच्चाधिकारी भेटताह मुदा घर-अंगना एखनहु पुरने तर्ज पर – पर्णकुटीर आ पोखरि-झाँखरिक बीच मे अवस्थित देखाएत अछि। एहि गामक पूर्वजक परिष्कृत संस्कार मे वर्तमान युग मे निश्चित गिरावट देखल जा रहल अछि तथापि शिक्षा आ संस्कार मे आगू देवडीहा गामक नाम प्रतिष्ठा सँ आइयो चारू दिश लेल जाएत अछि।
एहि गामक दक्षिण-पश्चिम कोणपर अवस्थित पुरनी पोखरि आर तेकर पूबारि महार पर अवस्थित शिव-पार्वतीक मन्दिर मे दुइ-दिवसीय शिवरात्रि समारोहक आयोजन कएल गेल। एहि अवसरपर विभिन्न धार्मिक एवं सांस्कृतिक कार्यक्रम सभ आयोजन सेहो संपन्न भेल अछि। कार्यक्रम संयोजक विजय कुमार झा जनतब देलनि जे शिव-पार्वती विवाहोत्सवक रूप मे मनाओल गेल एहि कार्यक्रम मे पंडित श्री जीवनन्दन झा द्वारा धार्मिक प्रवचन तथा पंडित श्री उदय कान्त झा द्वारा महादेव केर नचारी गान कएल गेल। संपूर्ण ग्रामीण सब एहि उत्सव मे बढि-चढिकय भाग लेलनि। संध्याकाल कीर्तनक आयोजन सेहो कएल गेल। मिथिलाक अनुपम डेग आ विजय कुमार झा केर एहि पुनीत प्रयास आ मातृभाषा मैथिलीक प्रचार संग शत-प्रतिशत साक्षरता लेल अभियानक सब कियो भरपूर प्रशंसा आ स्वागत कएलनि।