२५ फरबरी सँ होयत मिथिला परिक्रमा

मोहन भारद्वाज, मधुबनी। फरबरी १९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

मिथिलाक सुप्रसिद्ध ‘मिथिला परिक्रम’ जे जनकपुर केर चारूकात विभिन्न स्थान सँ होएत भक्तजन-श्रद्धालू लोकनि तीर्थयात्रा करैत जानकी-रमण केर दर्शन करैत पूरा करैत छथि से एहि बेर २५ फरबरी सँ शुरु होमय जा रहल अछि।

प्राप्त जानकारीक मुताबिक २५ फरबरी हनुमानगढी सँ ई यात्रा शुरु होयत। २६ फरवरी कल्याणेश्वर महादेव स्थान – कलना मे पहुँचत। पुनः २७ फरबरी गिरिजा स्थान, फूलहर होएत अलग-अलग तारीख केँ अलग-अलग स्थान होएत पुनः ९ मार्च केँ करूणा आ १० मार्च केँ बिशौल ११ मार्च केँ जनकपुर मे अन्तगृहि परिक्रमा करैत १२ मार्च केँ मिथिला परिक्रमा केर समापन होयत।