Search

नरुआरक हरिनाथ झा केँ भेटतनि राष्ट्रपति विशिष्ट सेवा पदक

390 भ्यूज

विशिष्ट व्यक्तित्व परिचयः वरिष्ठ पुलिस अधिकारी ‘हरिनाथ झा’

– ईशनाथ झा, नरुआर, झंझारपुर, मधुबनी। गणतंत्र दिवसक पूर्व संध्यापर।

हरिनाथ झा, वरीय प्रमंडलीय समादेष्टा, ( बिहार गृह रक्षा वाहिनी) मुजफ्फरपुर केर चयन राष्ट्रपति विशिष्ट सेवा पदक 2017 लेल भेलनि । श्री झा मूलतः झंझारपुर प्रखंडक नरुआर गाँव केर वासी छथि । पिता स्वर्गीय लंबोदर झा केर ज्येष्ठ संतान श्री झा केर प्राथमिक शिक्षा शिक्षक पित्ती पंडित सीतानाथ झा केर देखरेख मे गामहि मे भेलनि। ओ राजनीति शास्त्र मे स्नातकोत्तर ल० ना० मिथिला विश्वविद्यालय सँ कएलनि। तत्पश्चात NET (JRF) केर परीक्षा उत्तीर्ण कय तथा शिवनंदन नंदकिशोर महाविद्यालय, भैरवस्थान केर संस्थापक शिक्षक मे सेहो रहलाह। बाद मे किछु मास धरि हिनका द्वारा तिरहुत महाविद्यालय, मुजफ्फरपुर मे अपन सेवा देल गेल।

बिहार लोक सेवा आयोग केर 32वीं परीक्षा उत्तीर्ण कय ओ अपन परिवार तथा क्षेत्र केर नाम सन् 1986 मे बढौलनि। पुलिस सेवा मे हिनकर प्रथम पदस्थापन अविभाजित बिहार केर पलामू जिला मे जिला समादेष्टा केर रूप मे भेल छलन्हि। बोकारो, पटना, भागलपुर, बेगूसराय, मुजफ्फरपुर इत्यादि जिला मे अपन योगदान देलनि। वर्ष 2009 मे हिनका Meritorious Service Medal सेहो भेट चुकल छन्हि।

श्री हरिनाथ झा बहुभाषाविज्ञ तथा बहुमुखी प्रतिभाक धनी छथि। संस्कृत भाषा पर हिनका विशेषाधिकार अछि। हिनका द्वारा पुरस्कार प्राप्ति पर समस्त मिथिलांचल मे हर्ष व्याप्त अछि, खासकय नरुआर गाँव मे। हर्ष और शुभकामना व्यक्त करयवाला मे पंडित श्री सीतानाथ झा, श्री केशव किशोर मिश्र, श्री प्रवीण कुमार मिश्र, श्री विवेकानन्द मिश्र, श्री सुजीत कुमार मिश्र, प्रो० ईशनाथ झा एवम् शिवनंदन नंदकिशोर मिश्र महाविद्यालय केर सब शिक्षक एवं शिक्षकेतर कर्मचारी शामिल छथि।

Related Articles