सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। फरवरी ३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
बनगाँव निवासी डॉ0 सुभाषचंद्र झा केर पुत्र मुम्बई में पदस्थापित आयकर पदाधिकारी मिथिला रत्न स्व0 धीरज चंद्र झा उर्फ़ पप्पू केर दुखद निधन पिछला दिन भ गेलनि, आइ हुनकर याद में बनगाँव में एक श्रद्धांजलि सभा केर आयोजन कयल गेल जाहि में बनगाँव, चैनपुर, महिषी, पड़री आर आसपासक विभिन्न गामक समाजसेवी, जनप्रतिनिधि सह बुद्धिजीवी आर युवा लोकनि भाग लेलनि ।
एहि अवसर पर स्व0 झा केर चित्रपर श्रद्धासुमन अर्पित करैत पारस झा कहलनि जे स्व0 झाक मिथिला के प्रति समर्पण आर दहेज मुक्त मिथिला सह बनगाँव में सुफल सेवा संस्था केर द्वारा कयल गेल कार्य केर विस्मरण असंभव अछि। हुनकर रिक्त स्थान के भरब कठिन अछि ।
श्रद्धांजलि दैत वक्ता सब अफसोस जतबैत कहलनि जे हुनकर निधन स परिवार पर वज्राघात स दुःखक पहाड़ टूटि कय खसि पड़ल अछि । परिवार सब दाह संस्कार में मुंबई गेलाह मुदा एम्हर सुनसान घर में चोरी भ गेल । एहिना स्थिति में ग्रामीण सब पूलिस प्रशासन सँ क्षुब्ध अछि । संगहि पुलिस अधीक्षक स दुरभाष पर सम्पर्क कय जल्द स जल्द चोरक गिरफ्तारी व समान बरामदगी केर मांग कयलनि अछि संगहि पुलिस कप्तान के स्पष्ट चेतावनी देलनि जे श्राद्ध कर्म तक चोरी घटना के उजागर कयल जाय अन्यथा उग्र आन्दोलन कयल जायत ।
जानकारी अनुसार वर्तमान समय चोरी केर घटना में बेतहाशा वृद्धि भेल अछि । एहि दौरान बनगाँव उत्तरी मुखिया प्रतिनिधि भगवानजी झा, बनगाँव उत्तरी मुखिया विनोद झा, शशी ठाकुर, चैनपुर मुखिया दीपनारयण ठाकुर, अरुण खाँ, सुमन समाज, डॉक्टर बॉस, मुरारी झा, पारस झा, राहुल झा, विनोद खाँ, छोटू झा, अंकित झा, प्रभंजन झा, रोशन झा, चिकू जी, विष्णु मिश्र, सब कियो महान धीरज केर आत्माक शान्ति लेल ईश्वर सँ प्रार्थनाक संग एहि दुःखक घड़ी में शोक-सन्तप्त परिवारक प्रति हार्दिक संवेदना व्यक्त कयलनि ।

1 Comment
हार्दिक श्रद्धाञ्जली।