दिल्ली, फरवरी ३, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!
विद्यापति मैथिल युवा मंच, दिल्ली द्वारा आयोजित १५म सरस्वती पूजा संपन्न भेल। सब वर्षक भाँति अहु वर्ष विभिन्न प्रकारक प्रतियोगिताक आयोजन सेहो कएल गेल जाहि मे दर्जनों छात्र-छात्रा केँ सुनिश्चित प्रक्रिया अन्तर्गत विजेताक रूप मे चयन कय केँ सम्मानित कएल गेल अछि। तहिना सामाजिक कार्यकर्ता, राजनीतिक कार्यकर्ता आदि केँ सेहो समारोहपूर्वक सम्मान कएल गेल अछि।
छात्र प्रतियोगिता आयोजन पूर्व चयन प्रक्रिया मे कुल सम्मिल्लित छात्र/छात्रा ७०० सँ बेसी रहल। पूर्व चयन दिनांक १५.०१.२०१७ प्रश्नोत्तरी भेल जाहि मे चयनित २० छात्र/छात्रा तथा पूर्व चयन दिनांक २२.०१.२०१७ नृत्य लेल जाहि मे अन्तिम चयनित १५ छात्र/छात्रा तथा गायन लेल चयनित ६ छात्र/छात्रा अन्तिम प्रतियोगीक रूप मे अपन प्रदर्शन समारोह मे प्रस्तुत कएलन्हि। सरस्वती पूजनोत्सवक पहिल दिन दिनांक ०१ फरवरी २०१७ केँ स्वाती अपार्टमेंट पार्क, पश्चिमी विनोद नगर, दिल्ली-९२ मे प्रतिमा पूजाक संग संगीतमय भजन-कीर्तन व अन्य मनोरंजनात्मक आयोजन कएल गेल। अन्त मे आरती तथा प्रसाद वितरण करैत सब वर्षक भाँति अहु वर्ष प्रकाशित स्मारिकाक विमोचन कएल गेल।
विभिन्न प्रतियोगिता मध्य प्रश्नोत्तरी मे १२ जन केँ चयनित एवं पुरस्कृत कएल गेल, तहिना नृत्य मे अंतिम ९ जन केँ चयनित एवं पुरस्कृत कएल गेल, तथा गायन मे अंतिम ६ जन चयनित एवं पुरस्कृत भेलाह, आर चित्रकला मे अंतिम ६ जन केँ चयनित एवं पुरस्कृत कएल गेल अछि। चयन हेतु निर्णायक समूह मे वन्दना झा, रमण कुमार, प्रियदर्शिनी पूजा, विक्रम झा, संजीव, अनुश्री मिश्रा, डॉली झा, कंचन, निधि, मनीषा झा एवं सपना सिंह संयोजक छलीह।
सामाजिक-राजनीतिक क्षेत्र मे वी. एम. वाइ. एम. एकेडमी अतिथि सम्मान संजय कुमार झा (राष्ट्रीय महासचिव, जदयू), दिनेश सिंह (पूर्व कुलपति, दिल्ली विश्वविद्यालय), सी. एम. झा (चेयरमैन, सी.एम.जे यूनिवर्सिटी, सिलौंग), अशोक झा (अध्यक्ष, मिथिला विकास परिषद, कोलकाता), गोपाल केडिया (चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट) अनिल झा (जी.एम. रिलायबल डाटा), नितिन कँवर (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट), निशिकांत ठाकुर (संपादक-शुक्लपक्ष), श्रीमती रूपम झा (नेत्री, आम आदमी पार्टी), एस. एन. झा (रिटायर्ड आइ.ए.एस.), डॉ. बी. के. झा (चिकित्सक), सुमित कँवर (चार्टर्ड एकॉन्टेन्ट), डॉ. बीरबल झा (चेयरमैन मिथिलालोक एवं एम. डी. ब्रिटिश लिंगुआ), मनोज अग्रवाल (चार्टर्ड एकाउन्टेन्ट), राजीव झा (महासचिव, नेपाल सद्भावना पार्टी), अनिल कुमार झा (पूर्व उद्योग मंत्री, नेपाल सरकार), बिपिन बिहारी सिंह (नेता, भाजपा), नकुल भारद्वाज (नेता, भाजपा) केँ हिनका लोकनिक अपन-अपन क्षेत्र मे अति विशिष्ट योगदानक कदर करैत हस्तान्तरण कएल गेल।
विदित हो जे विद्यादायिनी सरस्वती केर पूजनोत्सवपर एहि आयोजन मे सामाजिक सरोकार मध्य निःशुल्क स्वास्थ्य परामर्श शिविर सेहो लगाओल गेल छल जाहि मे वी. एम. वाइ. एम. डिस्पेंसरी, फिजियोथेरेपी एवं अन्य रोग लेल श्यामा सुपर स्पेशिलिटी हॉस्पिटल सहित नेत्र रोग केर जाँच हेतु विशेषज्ञ चिकित्सक द्वारा सेवा उपलब्ध कराओल गेल।
मैथिली-मिथिला जगत मे विशिष्ट योगदान कएनिहार मध्य मैथिली पत्रकारिता लेल राहुल राय (प्रधान सम्पादक – मिथिला दर्शन न्यूज) केँ देल गेल।
सरस्वती पूजनोत्सव पर आयोजित भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रम मे भारत आर नेपाल केर एक सँ बढिकय एक कलाकार, गायक, वादक एवं हास्य अभिनेता सब भाग लेलनि। रमेश मल्लिक एंड ग्रुप (वादन), संजय झा (गायन), रश्मि प्रिया झा (गायन), नेहा प्रियदर्शिनी (गायन), राम नारायण ठाकुर (प्रहसन, मिनाप, जनकपुर), ललिता राउत (प्रहसन, मिनाप, जनकपुर), राजेश (प्रहसन, मिनाप, जनकपुर), किशन कन्हैया (गायन), मदन मुस्कान (गायन), मनीष मिश्रा (गायन), आद्या एवं अपेक्षा (सुपुत्री रमेश मल्लिक – युगल गीत), अदिति मिश्रा (नृत्य) सहभागिता मे सांस्कृतिक कार्यक्रम संपन्न भेल जे दर्शक आ श्रोता सबकेँ मन मोहि लेलक।
मनीष झा बौआभाइ एवं आनन्द मोहन झा मंच सञ्चालन कएलनि। एहि समारोह मे समूचा राष्ट्रीय राजधानी क्षेत्र सँ गणमान्य मैथिल समाजसेवी लोकनि अपन गरिमामयी उपस्थिति सँ कार्यक्रम केँ चारि चाँद लगा देलनि। अखिल भारतीय मिथिला संघक अध्यक्ष विजय चन्द्र झा, विद्यानन्द झा, अमरनाथ झा, रूपम झा, रामबाबू सिंह, शरत झा, संजीव सिन्हा, विभय झा, संतोष राठौड़, विमल जी मिश्र, प्रसून झा, संजय नागदह, ब्रजेश मिश्र, ललित नारायण झा, शिवेश झा, मोहन मुरारी झा, विजय कुमार झा, तपन झा, अमरेन्द्र झा, अनुप मैथिल आदि मुख्य छलाह।
एहि कार्यक्रमक मीडिया पार्टनर मिथिला मिरर, मिथिला दर्शन.न्यूज, मैथिली जिन्दाबाद, मिथिमीडिया एवं ई-मिथिला छल। कॉर्पोरेट सपोर्ट वेल्वोलिन कम्मिन्स प्राइवेट लिमिटेड, सरेन्स इन्डिया रिलाएबल डाटा सर्विसेज प्राइवेट लिमिटेड छल।
दिनांक-०२ फरवरी २०१७ केँ विसर्जन पूजा केलाक बाद सामूहिक हवन तथा प्रतिमा केँ जल प्रवाह कार्यक्रम संग समारोहक समापन कएल गेल।