खजौली मे गणतंत्र दिवस पर धूमधाम समारोह संपन्न

खजौली सहित मिथिलाक विभिन्न स्थान मनाओल गेल भारतीय गणतंत्र दिवस

रवीन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी २६, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

khajauli gantantra divassenaगणतंत्र दिवस केर अवसर पर खजौली मे आयोजित सभा मे समस्त देशवासी देशभक्त केँ गणतंत्र दिवस केर बधाई देल गेल । समस्त मिथिलावासीक पुर्वज केर बलिदानक सेहो भरपूर सराहना करैत मधुबनी, दरभंगा व अन्य जिलाक विगत वर्ष मे शहादति देनिहार जवान केँ श्रद्धाञ्जलि सुमन दैत ‘अमर रहे’ केर नारा सँ आकाश गुंजायमान कएल गेल । अन्त मे सब मिथिलावासी सँ आग्रह करैत आह्वान कएल गेल जे अपने लोकनि जाहि जगह छी ओहि जगह ईमानदारी सँ काज करी जाहि सँ मिथिलाक अमूल्य सम्मान भेटय । जय भारत – जय जवान – जय किसान ‍- जय मिथिला!!

khajauli bjpभाजपा कार्यालय पर खजौली भाजपा अध्यक्ष सरोज सिंह द्वारा झंडोत्तोलन कएल गेल जाहि मे आरो बहुत पार्टीक लोक आ सब पंचायत सँ प्रतिनिधि लोकनि सहभागिता देलनि। प्रधानमंत्री द्वारा ग्रामीण विकास केर विभिन्न योजना केँ ईमानदारी सँ लागू करबाक सब संकल्प लेलनि। शहीद सब केँ श्रद्धाञ्जलि दैत संछिप्त सभा समापन कएल गेल।

आइ खजौली मे विभिन्न प्राइवेट विद्यालयक छात्र-छात्रा द्वारा सेहो गणतंत्र दिवस खूब बढियां झाँकी आ राष्ट्रगान सब गाबिकय मनाओल गेल। स्कूली बच्चा सब स्वतंत्रता सेनानी सब कोना देश केँ आजाद बनौलनि, कोना अपन प्राणक आहूति दय भारतक गणतंत्र केँ ठाढ कएलनि – तेहेन महत्वपूर्ण बात सब नाटक खेलाकय देखौने छल। लेकिन सरकारी विद्यालयक बच्चा सब केँ एहेन मौका नहि भेटब एखनहु भारतीय गणतंत्र मे वर्ग-विभेद अछि जेकरा दूर करब आवश्यक अछि। सरकारी स्कूलक बच्चा मे सेहो ओतबे कलासंपन्नता अछि, बस मौका देबाक जरुरत अछि। सरकार केँ एहि दिशा मे ध्यान देब आवश्यक बुझाएछ।