ग्रामीण द्वारा जातीय विभेद विरुद्ध एकजुटताक उत्कृष्ट प्रयास

रविन्द्र भारती, खजौली, मधुबनी। जनवरी १८, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

day meal sceneविश्व केर प्राचीनतम् सभ्यता जतय हरेक जाति-समुदायक अंशदान बिना कोनो छोटो टा कार्य पूरा नहि कएल जा सकैछ ताहि मिथिला मे वर्तमान समय राजनीतिक ध्रुवीकरणक कारण जातीय मतान्तर तथा विभेद सँ समाजक एकजुटता बहुत खराब स्थिति मे पहुँचल देखाएत अछि। तहिना पोंगा पंडिताइ केर पंथ मुताबिक एखनहु कतेको लोक अपन धिया-पुता केँ एक-दोसरा सँ दूरी बनेबाक लेल, देह नहि छुएबाक लेल, केकरो छूअल पानि नहि पीबाक लेल, आदि। परन्तु शिक्षाक प्रसार सँ आब एहि तरहक पोंगापंथक अन्त करबाक जरुरत बुझि खजौली ग्राम मे सब जाति केँ एकजुट रखबाक लेल एकटा अनूठा कार्यक्रमक आयोजन कएल गेल अछि।

ग्रामीण पूजा समिति खजौली द्वारा तिला संक्रांतिक शुभ अवसर पर बाबा कमलेश्वरनाथ महादेवस्थान मे सब जाति-समुदायक बच्चा केँ एक्के पाँति मे बैसाकय सामूहिक भोज कएल गेल अछि। जाति-पातिक भेद नहि राखबाक लेल तथा सब कियो आपस मे मिलि-जुलि रहबाक सन्देश दैत एहि सामूहिक भोज केर आयोजन मे व्यवस्थापक रविन्द्र भारती, गंगाराम चौधरी (सांस्कृतिक प्रकोष्ठ संयोजक), राम बाबु चौधरी (मेला व्यवस्थापक), डा. सुधीर सुमन, सुनील सिंह, जयवीर झा (पूजारी), बैद्यनाथ सिंह, बाबुराम महतो सहित समस्त ग्रामीण केर सहभागिता रहल। एहि आयोजनक चर्चा दूर-दूर धरि करैत लोक प्रयासक भरपूर सराहना आ प्रशंसा सेहो कय रहल अछि।