इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ दिल्ली द्वारा १ फरबरी सामूहिक विवाहक आयोजन

रोहिणी (दिल्ली), जनवरी ११, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

सामूहिक कन्यादान ०१-०२-२०१७ केँ रोहिणी – दिल्ली मे – एहि बेर तेसर सालक आयोजन

samoohik-vivah“इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ”, रोहिणी, दिल्ली अप्पन सामाजिक कर्त्तव्य केर क्षेत्र में एक डेग आर आगू बढ़बैत लगातार तेसर साल “सामूहिक कन्यादान” केर आयोजन करय जा रहल अछि । एहि कार्यक्रमक अंतर्गत आर्थिक रूप सँ कमजोर परिवार केर कन्याक विवाहक संपूर्ण खर्चक भार संस्था द्वारा वहन कएल जाएछ ।

सामान्यतया देखल जा रहल अछि जे वैवाहिक खर्च पूरा करबाक लेल आर्थिक रूप सँ विपन्न कतेको परिवार केँ समाजहि केर लोक सँ पैँच-कर्जा कय केँ विध पूरा कैल जाएछ। लोक बेटीक माफा त अरियाएत दैछ, परञ्च तेकर बाद ओहि पैंच-कर्जाक दंश बाकी परिवार लेल जहर खेबा समान क्रूर सिद्ध होएछ। संस्थाक सचिव सुनीत ठाकुर अपन विचार रखैत आगू कहलैन जे दिल्ली एहेन जगह मे आइ लाखों मैथिल परिवार जेना-तेना अपन गुजर-वसर कय रहल अछि आर वैवाहिक सम्बन्ध लेल फराक-फराक आयोजन कयकेँ अपन जिनगी भरिक कमाई मात्र विवाहेक कार्य मे स्वाहा कय लैत अछि। हमरा सभक संस्था ताहि वास्ते एकटा मंच दैत विवाह केर अवसर पर आवश्यक सब व्यवस्था करैत अछि जेना कोनो संपन्न परिवारक विवाह मे होएत अछि।

सुनीत मैथिली जिन्दाबाद केर मार्फत एहि महान पुनीत कार्य मे समाजक सब वर्ग सँ सहयोगक अपेक्षा करैत संपन्न समाजक लोक केँ आगू आबि एहि यज्ञ केँ पूरा करबा मे अपन पूर्ण स्वैच्छिक सहयोगक अपेक्षा सेहो रखलैन अछि। तहिना ओ हमरा‍-अहाँक परिचय मे कोनो आर्थिक रूप सँ कमजोर परिवार जे वैवाहिक कार्य करय लेल सोचि रहल अछि तिनका से संस्थाक सचिवालय धरि सम्पर्क करेबाक लेल 9891085565 तथा 9711117728 आर ईमेल [email protected] पर सम्पर्क लेल आग्रह कएलनि अछि। संगहि आयोजक संस्थाक आजीवन सदस्यता जेकर शुल्क मात्र १००१/= (एक हज़ार एक टाका) अछि से जमा करैत आजीवन सदस्य बनबाक आग्रह कएलनि अछि। अपनेक हर तरहक सहयोग लेल संस्था आभारी रहत – सुनीत ठाकुर, संगठन सचिव, इंद्रप्रस्थ मैथिल संघ द्वारा ई भावना राखल गेल अछि।

विदित हो जे सोसल मीडिया सँ धरातल धरि कार्यरत विभिन्न संघ-संस्था मिथिला तथा अन्य समुदायक लोक केँ दहेज मुक्त विवाह लेल अभियान चलौने छथि, हुनका सब लेल सेहो ई सुवर्ण मौका भेल जे एहि तरहक आयोजनक लाभ बेसी सँ बेसी गरीब-विपन्न परिवार धरि पहुँचेबा मे सेतुक काज करैथ। उपरोक्त देल सम्पर्क सूत्र पर शीघ्र सम्पर्क स्थापित करैथ।