Search

उपवास आ तिल-चाउर-गूड़ सँ मिथिला राज्य लेल संकल्पः मिरानिसे

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अपील

दरभंगा, जनवरी १०, २०१७. 

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अधिवेशन संपन्न - जनजागरण अभियान मे आबि गेल अछि तेजी

मिथिला राज्य निर्माण सेनाक अधिवेशन संपन्न – जनजागरण अभियान मे आबि गेल अछि तेजी

भगवान् भाष्कर के मकर राशि में प्रवेश शुभ फलदायक होइत अछि। पौष मास के संक्रांति स देवता लोकैन के दिन के शुभारंभ मानल गेल अछि। असतो माँ ज्योतिर्गमय के भान संपूर्ण चराचर में परिलक्षित हो, अहि निमित्त उत्तरायणी के संजोग बनैत अछि। बहिन जानकी के पुनर्प्रतिष्ठा लेल संघर्षरत जनकवंशी लेल मकर-संक्रांति ओइ दिन भगवान भाष्कर के उत्तरायण प्रवेश के प्रतीक बनत जहिया बिहार सनक राइत के पाश स निकलि मिथिला सूर्य के प्रथम किरण समान विहुँसत।

बंधुगण,

विश्व के प्रत्येक सांस्कृतिक इकाई के चेतना भाव उपासना-पद्धति के संग सांस्कृतिक प्रतीक के मिश्रण स उद्गमित होइत अछि। संपूर्ण मिथिला क्षेत्र में जन्म लेनिहार व्यक्ति लेल मातृस्वरूपा बहिन जानकी एहने प्रतीक समान आदरणीय थिकीह। हमर-अहाँ के पहिचान पर्याय अछि मैथिली आ मिथिला। मिथिला राज्य आंदोलन कोनो निजी स्वार्थ के अखाड़ा नहि अछि। अपितु सर्व समावेशी पहिचान के स्थापित करबाक संघर्ष गाथा अछि।

मिथिला राज्य निर्माण सेना आगामी 14 जनवरी दिन शनिवार मकर-संक्रांति दिवस के मैथिल पहिचान के लेल चलि रहल संघर्ष में ‘ संकल्प-दिवस’ के रूप में मनेबाक घोषणा करैत अछि। मिरानिसे मिथिला राज्य आंदोलन स संबद्ध समस्त मैथिल संस्था, संगठन के संग-संग मिथिला क्षेत्र के प्रत्येक राजनैतिक प्रतिनिधि यथा विधायक, सांसद आदि के निवेदन करैत अछि, आह्वान करैत अछि जे अहि संकल्प दिवस दिन भगवान भाष्कर के साक्षी मानि ‘तिल-गुड़’ खा मिथिला आंदोलन में अपन सर्वस्व समर्पित करबाक संकल्प ली।

मिथिला कोनो एक संगठन/संस्था/व्यक्ति के नै अछि। मिथिला सबके चाही आ मिथिला सबके अछि। अहि प्रेरणा स मिरानिसे 14 जनवरी के दिन में 2 बजे कर्पूरी चौक, दरभंगा में समस्त मिथिला अभियानी के ‘संकल्प’ लेब लेल आमंत्रित करैत अछि। आपसी वैमनश्यता आ दुराव के खत्म कय आऊ सबगोटे एक स्वर में माय मिथिला के भारतीय गणतंत्र में संवैधानिक प्रतिष्ठावर्धन हेतु ‘तिल-गुड़’ खा कृत संकल्पित होइ आ अहि महान मैथिल पहिचान संघर्ष में बहबाक शपथ ग्रहण करी।

मिथिला राज्य निर्माण सेना सम्पूर्ण भारत में बसनिहार मैथिल भाई-बहिन के आह्वान करैत अछि जे हर जगह एहेन संकल्प-सभा के आयोजन हो। जे जत्त कत्तौ छी ओतहिए मोन-प्राण के एकनिष्ठ कय मिथिला राज्य आंदोलन के समर्थन में अहि सभा के सामूहिक रूप स आयोजन करी आ एक दोसर के शपथ-संकल्प लेब लेल उत्साहित करबाक पुण्य कार्य करी। निश्चित रूप स अहि तरहे आपसी एका के भावना विकसित होयत जेकर आई आ आगू आबै बला समय में नितांत आवश्यकता अछि। प्राप्त जानकारी के अनुसार राष्ट्रिय उपाध्यक्ष गणेश भाई के नेतृत्व में गोहाटी में 14 जनवरी के संकल्प-दिवस सभा होयत आ हस्ताक्षर अभियान के शुरुआत होयत। ई अत्यंत प्रशंसनीय सुचना अछि।

एक बेर पुनः अपने सबके 14 जनवरी शनिवार दिन के 2 बजे कर्पूरी चौक, दरभंगा में ‘संकल्प-दिवस’ सभा में आमंत्रित करैत छी, निवेदन करैत छी। मूल रूप स ई प्रस्ताव आदरणीय अध्यक्ष श्री रंगनाथ ठाकुर जी आ उपाध्यक्ष श्री अनिल झा दरभंगा दिस स आओल छल।

धन्यवाद।

राजेश झा

महासचिव सह प्रवक्ता

मिथिला राज्य निर्माण सेना, दरभंगा

Related Articles