जागू मिथिलावासी, दूर करू दहेजः माधव राय

नवी मुम्बई, जनवरी ९, २०१७. मैथिली जिन्दाबाद!!

dmm-dress-mumbaiकाल्हि रवि दिन ८ तारीख मैथिली दिवस तथा नवी मुम्बई मैथिल समाजक स्थापना दिवसपर आयोजित विद्यापति स्मृति पर्व समारोह मे अपार जनसमूहक सहभागिता देखल गेल। जाहि मेहनत आ लगन सँ रवि कुमार मण्डल केर नेतृत्व मे ई समारोह आइ कतेको वर्ष सँ कैल जाएत आबि रहल अछि ताहि मे सर्वाधिक आकर्षण आ भीड़ काल्हि कार्यक्रम मे देखबाक बात दर्शक लोकनि बतौलनि।

कार्यक्रम मे सहभागी मैथिली-मिथिला मंचक नामी गायक – कलाकार माधव राय अपन सुमधुर आवाज मे ‘ई मुम्बई आइ मिथिला समान लगै यऽ’ गाबिकय हजारों-हजार दर्शक केँ झूमय लेल आर संगे गाबय लेल बाध्य कय देलनि। एक सँ बढिकय एक प्रस्तुति दैत माधव राय महाराष्ट्र मे विशेष रूप सँ सक्रिय ‘दहेज मुक्त मिथिला’ केर अभियानी सबहक आवाज मे अपन आवाज मिलबैत दहेज प्रथाक कूरीति केँ भगेबाक बेर-बेर आह्वान सेहो कएलनि।

दहेज मुक्त मिथिला संरक्षक पं. धर्मानन्द झा बतौलनि जे काल्हिक कार्यक्रम मे गायक-कलाकार माधव रायक आह्वान बहुत आह्लादकारी रहल, संस्थाक अभियानी लोकनि राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा केर नेतृत्व मे विशेष परिधान मे उपस्थित भेलाह। हम सब जे मांगरूपी दहेजक प्रतिकार लेल टोल-टोल अभियान चलबैत छी तेकर माधवजी अपन स्वर दय केँ आरो प्रचारित-प्रसारित कएलनि। विदित हो जे मुम्बई मे दहेज मुक्त मिथिला अभियान काफी लोकप्रिय अछि आर जन-गण-मन मे एकर नारा केँ संकल्प जेकाँ लोक अपना रहल अछि। काल्हिक समारोह मे पीरा टीशर्ट आ ललका टोपी पहिरिकय सैकड़ों अभियानी सहभागी भेलाह जेकर आकर्षण समारोह मे आरो बेसी चमकल। मुम्बई मे सब संस्था आर अभियानी सभक बीचक एकता दुनिया भरि मे चर्चा कैल जाएत अछि, काल्हिक प्रस्तुति मे सेहो ई बात खूब झलकल।