दरभंगा जिला पार्षद केर भव्य सम्मानः मिथिला राज्य निर्माण सेना

दरभंगा, दिसम्बर ६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

parshad-samman3मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा दरभंगा जिला परिषद केर पदाधिकारी एवं समस्त सदस्य मंडली द्वारा मिथिला राज्य केर मांग प्रति समर्थन दैत प्रस्ताव पारित करबाक महत्वपूर्ण कार्यक सराहना करैत काल्हि ५ दिसम्बर गंगा रेजीडेन्सी होटल केर सभागार मे सामूहिक सम्मान लेल अभिनंदन समारोहक आयोजन कैल गेल।

मिरानिसे महासचिव राजेश झा मैथिली जिन्दाबाद संग वार्ता करैत जनतब देलैन जे आजुक कार्यक्रम सफल रहल, जबरदस्त जनसमर्थन-सांगठनिक मजबूती केर अनुभूति कराबयवला आर हरियर होएत धरातल जतय मिथिला राज्यक आवश्यकता पर जनभावना बनेबाक प्रत्यक्ष माध्यम त्रि-स्तरीय पंचायत समितिक सदस्य लोकनिक सम्मान – अभिनंदनक संग हुनका सबपर असली जिम्मेदारी देबाक काज कैल गेल । ओ कहलैन जे मिथिला राज्य निर्माण सेना जहिना ई जिम्मेदारी स्वयंसंकल्प सँ लेने अछि जे भारतीय गणराज्य मे मिथिला राज्य केर स्थापना लेल जन-गण-मन केँ राज्यक महत्व पर प्रकाश देत, ताहि संकल्पक सबसँ प्रमुख कड़ीपर काज शुरु भऽ चुकल अछि।

parshad-samman2मिरानिसे प्रवक्ता एवम् महासचिव झा कहलनि जे विदित हो जे मिथिला राज्य निर्माण सेना केर आह्वानपर दरभंगा जिला परिषद द्वारा पारित मिथिला राज्य समर्थन केर प्रस्ताव आंदोलन केँ द्वितीय चरण में पहुँचा देलक अछि। एहि जबरदस्त ऐतिहासिक कार्य केर पूरा श्रेय मिरानिसे अध्यक्ष रंगनाथ ठाकुर आर आलोक झा टिंकु केँ जाएत अछि। दरभंगा जिला परिषद अध्यक्ष गीता देवी आ उपाध्यक्ष ललिता देवी केँ फेर सँ कोटिशः धन्यवाद आ आभार। निश्चित रूप सँ आइ हिनका सभक संबोधन सुनि कहि सकैत छी जे साक्षात जानकी केर प्रेरणातत्व हिनका सब ऊपर मे अछि आर हुनकहि प्रेरणा सँ त्रेता युग सँ लैत कलियुग धरि मिथिला भावनारूपमे जीबित छल जे आब राज्यरूप मे सेहो स्थापित होयत।

parshad-samman7विख्यात विद्वान् आ श्यामा माई ट्रस्ट केर अध्यक्ष श्रीपति त्रिपाठी, दर्शन शास्त्र के मर्मज्ञ सत्यवानजी, मिरानिसे अध्यक्ष रंगनाथ ठाकुर, जिला परिषद् अध्यक्ष गीता देवी, उपाध्यक्ष ललिता झा द्वारा सामूहिक रूप सँ दीप प्रज्वलित करैत एहि अभिनंदन समारोहक उद्घाटन कैल गेल। तहिना सुप्रसिद्ध साहित्यकार एवं मैथिली-मिथिला अभियानी अजित आजाद द्वारा सधल तरीका सँ मंच संचालन कैल गेल।

माला आ चादर सँ सब जिला परिषद सदस्य तथा प्रखंड प्रमुख केर अभिनंदन कैल गेलनि। मिथिलाक स्वनामधन्य गायक माधव राय द्वारा मिथिला राज्य अभियान गीत सँ संपूर्ण सभागार मे बैसल व्यक्ति के हृदय स्पंदित होमय लागल। झा कहलैन जे असली अभिनंदन त ओहि दिन हैत जखन चिर प्रतीक्षित स्वप्न पूरा हैत, मिथिला राज्य बनत।

मधुबनी सँ शुभंकर झा, भारत भूषण यादव, मिहिर झा महादेव, सकरी सँ चंदन आ रजनीश, दरभंगा सँ अशोक नायक, मो. तनवीर, मिरानिसे पूर्व अध्यक्ष श्याम सुन्दर झा, महासचिव संजय मंडल,  सचिव संजय रिक्थ, पुपुन प्रसाद, देवकांत यादव, कामेश्वर चौपाल, सांस्कृतिक प्रकोष्ठ संयोजक नवीन चौधरी, कोषाध्यक्ष शंकर नाथ झा बटोही, कार्यालय सचिव अजीत चौधरी, अनुराधा – हिनका सभक विशेष सहयोग सँ आजुक कार्यक्रम सफल रहल – महासचिव झा कहलैन।

अभिनन्दन समारोहक आयोजन सँ कि लाभ भेल?

मैथिली साहित्यकार, संचारकर्मी एवं मिथिला राज्य निर्माण सेनाक सल्लाहकार अजित आजाद संग मैथिली जिन्दाबाद एहि कार्यक्रमक आयोजनपर उपरोक्त प्रश्नक प्रतिक्रिया मंगला पर ओ कहला, “बहुत बढियां आयोजन, संतुलित आ अत्यन्त प्रेरणादायी रहल। अनेक ज़िला पर एकर प्रभाव पड़ल स्पष्ट अछि। मधुबनी मे २२ दिसम्बर केँ परिषदक बैसार मे ई अंतिम रूप ग्रहण करत।”

ई पूछला पर जे अपनेक नजरि मे कि सब महत्वपूर्ण चर्चा कैल गेल – ओ कहलैन जे अध्यक्ष गीता देवी एवं पार्षद माधव झा द्वारा ग्राम सभा सँ सेहो प्रस्ताव पास करेबाक विचार आयल जाहि सँ जन-जन केर भावना मे मुद्दाक सार्थकता पर संदेश पहुँचत। मधुबनी सँ पूर्व जिला परिषद् उपाध्यक्ष भारत भूषण यादव मधुबनी ज़िला परिषद सँ प्रस्ताव पास करेबाक मांग कएलनि। गायक माधव राय द्वारा मिथिला राज्य केर सम्पर्पित गीत केर गायन करैत आजीवन मैथिली में गीत गबैत रहबाक घोषणा कैल गेल।

मिरानिसे अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर द्वारा अभिनंदन समारोहक अध्यक्षता कैल गेल छल, जखन कि अजित आजाद एकर संचालन केने छलाह। महासचिव राजेश झा द्वारा मिथिला राज्य निर्माण सेनाक आह्वानपर प्रकाश देल गेल, संगहि जिला पार्षद लोकनि केर सहयोगपर आभार सेहो प्रकट कैल गेल। शुरु मे ई अभियान दरभंगाक अतिरिक्त मधुबनी, सीतामढी, समस्तीपुर एवं बेगूसराय सहित कुल ५ जिला मे करबाक नियार स्पष्ट कैल गेल। संगहि हरेक जिला मे सहयोग प्रति आभार प्रकट करबाक लेल समिति द्वारा अभिनन्दन समारोह करबाक वचनबद्धता प्रकट कैल गेल छल। सचिव रिक्थ द्वारा कम समय मे नीक आह्वानमूलक संबोधन करैत सांगठनिक एकता पर जोर देलनि। अपन अध्यक्षीय संबोधन सँ डा. ठाकुर द्वारा आम अपील कैल गेल जे अपन मातृभूमिक आर्थिक, सांस्कृतिक, आध्यात्मिक – हर तरहक उपेक्षा सँ मुक्ति हेतु मिथिला राज्य एकमात्र विकल्प अछि। एहि वास्ते सब कियो निजी पार्टी पोलिटिक्स सँ ऊपर जाएत मात्र विकल्पक सपना केँ विपना मे परिवर्तित करबाक लेल एकजुट होएथ। संगहि ओ अपन संबोधन मे मिथिलाक धार्मिक महत्वक स्थल सभक पर्यटन स्थल केर रूप मे स्थापित करबाक बात पर सेहो जोर देलनि।

निरन्तर ४ घंटा धरि चलल कार्यक्रम मे कुल ६५ गोट सदस्य केँ सम्मानित कैल गेलनि, अभिनन्दन करैत मैथिली गीतनाद सेहो गायल गेल तथा सब वक्ता अपन-अपन विचार मिथिला राज्यक समर्थन मे रखलाह।