राहुल कुमार, बनगाँव। नवम्बर ३०, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
विश्व केर इतिहास में अगहन शुक्ल (विवाह पंचमी) केर बड पैघ महत्व मानल जाएत अछि । कियैक तँ आजुक दिन संत शिरोमणि बाबा लक्ष्मीनाथ गोसाईं जी केर सेहो पदार्पण एहि पृथ्वीलोक मे भेल कहल जाएछ। संगहि ईहो एकटा महान संयोग मात्र कहल जा सकैछ जे हिनकर समाधि लेबाक अर्थात् पुण्य-तिथि सेहो औझके दिन छल। ताहि हेतु ई दिन समस्त भारतवर्ष व मिथिला के लेल अतिसुभ दिन मानल जाइछ । जहिना भगवान् बुद्ध केर जन्म बुद्ध पूर्णिमाक दिन भेल तहिना संत लक्ष्मीनाथ गोसाईंक जन्म विवाह पंचमी दिन हेबाक बात केँ सेहो तूक मिलाकय कतेको भक्त-समीक्षक चर्चा करैत छथि।
मैथिली जिन्दाबाद सँ आयोजक लक्ष्मीनाथ सेवा मिशन सम्पर्क करैत आम आह्वान कएलनि अछि जे एहि सुअवसर पर भारत आ नेपाल केर विभिन्न भाग सँ बाबाजी केर भक्त व प्रेमीजन अवश्य भाग लैथ आर एहि महानतम् धार्मिक आयोजन केँ सफल बनबैत अपनो जीवन धन्य करैथ। ई यात्रा दिनक १२ बजे बाबाजी कुटी बनगाँव सँ आरम्भ भ सुपौल जिलाक परसरमा गाम धरि कैल जायत।