इन्डो-पाक सीमापर मिथिलाक शहीद सपुत विकास मिश्र केँ श्रद्धाञ्जलि

दरभंगा, नवम्बर ११, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

shahid-vikash-mishra-mrnsमिथिला राज्य निर्माण सेना सहित विभिन्न संगठन, व्यक्तित्व एवं समाज द्वारा मिथिलाक मधुबनी जिलाक रैयाम निवासी विकास मिश्र केर शहादति पर शोक-संवेदनाक संग श्रद्धाञ्जलि व्यक्त करबाक विभिन्न तौर-तरीकाक संग शोक-संतप्त परिवार केँ सम्बल प्रदान कय रहल अछि।

दरभंगा मे ‘जय जवान जय किसान’ केर नारा बुलंद केनिहार लाल बहादुर शास्त्री जी केर प्रतिमा स्थल सँ मिथिला विभूति विद्यापति जी केर प्रतिमा स्थल धरि अमर शहीद मिथिला पुत्र विकास मिश्रा केर शहादति पर संवेदना ज्ञापन लेल मिरानिसे एकटा मौन कैंडल मार्च केर आयोजन कएलक। ई जनतब मिरानिसे केर महासचिव राजेश झा अपन फेसबुक स्टेshahid-vikash-mishra-msuटस मार्फत करौलनि अछि। ओ आगू कहलैन अछि जे एहि विपत्तिक घड़ी में मिरानिसे केर प्रत्येक सेनानी अमर शहीद विकास मिश्रक शोक-संतप्त परिवार केर संग अछि।

तहिना मिथिला स्टुडेन्ट यूनियन केर नीतीश कर्ण अपन फेसबुक स्टेटस मार्फत शहीदक गाम रैयाम मे पहुँचि शोक-संतप्त परिवारक सदस्य संग एकटा श्रद्धाञ्जलि सभा केर आयोजन करबाक जनतब देलनि अछि।

ओम्हर दहेज मुक्त मिथिलाक राष्ट्रीय अध्यक्ष पंकज झा मुख्यमंत्री नीतीश कुमार केर निश्चय यात्रा पर सवाल ठाढ करैत शहीद विकास मिश्र प्रति मुख्यमंत्री ओ हुनक आन-आन मंत्रीक चुप्पी पर खेद जतौलनि अछि। ओ कहलैन अछि जे क्षणे-क्षणे यात्राक दृश्य सब अपन-अपन स्टेटस मार्फत जनमानसक सोझाँ आनि रहल मंत्री एवं मुख्यमंत्रीक मुंह सँ एको बेर यदि शहीदक प्रति संवेदनाक स्वर सुनितहुँ त शोक-संतप्त परिवार सहित हम समस्त मिथिलावासी सेहो कनेक सान्त्वना पबितहुँ। परन्तु एना नहि भ सकल अछि।

विदित अछि जे किछु समय सँ भारत-पाक सीमा पर दु-तरफा गोलीबारी कैल जा रहल अछि जाहि मे एखन धरि दर्जनों सैनिक दुनू देशक शहादति प्राप्त कएलक अछि। काश्मीर केर मुद्दा पर पहिने आन्तरिक उपद्रव आ तेकरा शान्त करबाक लेल बल प्रयोग सँ बढैत भारत द्वारा पाकिस्तान ओक्युपाइड काश्मीर मे मौजूद आतंकवादी कैम्पपर निशाना सधबाक लेल कैल गेल सर्जिकल स्ट्राइक सँ पाकिस्तान खौंझायल अछि आर लगातार सीमापार सँ गोलीबारी जारी रखने अछि। विकास मिश्र केर शहादति सँ संपूर्ण मिथिला शोक-मग्न अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ शहीद मिश्र केँ श्रद्धाञ्जलि!