बनगाँव आ विद्यापतिधाम (सहरसा) मे सेनाक नाम सँ दीप जरबैत दिपावली

सुभाषचन्द्र झा, सहरसा। नवम्बर ३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

एकटा दीप भारतीय सेना लेल जराओल गेल

bangao-deep-senaवर्तमान समय भारत मे राष्ट्र एवं राष्ट्रीयता प्रति समर्पणक एकटा सुन्दर उदाहरण देखय वास्ते भेटि रहल अछि। एक तरफ पाकिस्तान केर निरंतर आतंकवादी गतिविधि केँ बढावा देबाक लेल अशान्त सीमा मे भारतीय सेनाक सक्रियता बढि गेल अछि, दोसर तरफ देशक जनता मे राष्ट्रीयताक भावना बढेबाक लेल चीनी समान नहि कीनब, तऽ स्वदेशक वस्तु मात्र प्रयोग करब आ भारतीय सेनाक शहादैत प्रति सदिखन नतमस्तक रहिकय सेनाक मनोबल बढायब – सोसल मीडिया पर सदिखन राष्ट्र ओ राष्ट्रीयता मात्र मुख्य मुद्दा बनिकय देखा रहल अछि।
bangao-deep-sena1एहि क्रम मे बनगाँव बुद्धिजीवी विचार मंच आर बनगाँव युवा द्वारा एहि वर्ष दीपावली केर संध्या भारतीय सेना केँ समर्पित “एक दीया भारतीय सेना के नाम” कार्यक्रम केर आयोजन स्थानीय शहीद स्मारक बनगाँव चौक, कलावती मैदान पर 501 दीप जराकय कैल जेबाक सुखद समाचार प्राप्त भेल अछि । दीप प्रज्वलन संयुक्त रूप सँ भेल । विचार मंचक प्रवक्ता कहलैन जे हम सब सेनाक बदौलत सकुशल अपना घर मे दीपावली मनबैत छी । जखन भारतीय सेना हमर सुरक्षा मे सीमा पर चौकस रहैत छथि, तऽ हमरो सभक दायित्व एवं कर्तव्य बनैछ जे अपन पर्व-उत्सव मे हुनका शामिल करी ।
एहि अवसर पर बनगाँव केर दुनू पंचायतक मुखिया प्रतिनिधि विनोद झा तथा भगवान झा, बुद्धिजीवी विचार मंच केर अध्यक्ष विश्वनाथ खाँ और बुद्धिजीवी विचार मंच केर सचिव शशीधर ठाकुर, राहुल कुमार बिल्टू, गोपाल झा, मिहिर झा ओ राहुल झा, उज्वल ठाकुर मालिक, सोनू खाँ, सहित सैकड़ों सदस्य लोकनि सहभागी भेलाह आर सैनिक सभक नाम सँ सब कियो एकटा दीप जरौलनि । संगहि विद्यापति धाम लक्ष्मीनिया में भोगेन्द्र शर्मा केर नेतृत्व मे सेहो शहीद सब कियो दीप जरौलनि आर राष्ट्रक सैनिक केर अनवरत सेवा लेल सब कियो सराहना कएलनि।