रियाध, सउदी अरब। अक्टूबर २, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मिथिला सहित भारतवर्षक मूल धरातल पर छैठ ६ नवम्बर सौंझका आ ७ नवम्बर भोरका अर्घ दैत मनाओल जायत, लेकिन घर सँ बहुत दूर विदेशहु मे इस्लामिक राष्ट्र सउदी अरब मे रोजी-रोटी कमा रहला मिथिला समाजक लोक द्वारा आगामी नवम्बर ११ तारीख छैठ आर वर्षक जेकाँ अहु वर्ष मनायल जेबाक समाचार अछि। ई जनतब आयोजक संस्था मिथिला एकता समाज केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता करबैत कहलैन अछि जे सउदी अरब केर राजधानी रियाध मे धुमधाम केर साथ पाबैन मनेबाक तैयारी भऽ रहल अछि। एहि समारोह मे ओ संपूर्ण हिन्दू धर्मावलम्बी व मिथिला समाजक लोक केँ विशेष रूप सँ आमन्त्रित करैत एहि मे सहभागी बनबाक अपील सेहो केलैन अछि।
ओ कहलैन जे नेपाली रादूतावास केर पदाधिकारी सहित नेपालक आरो संघ-संस्थाक प्रतिनिधि लोकनि संग करीब ५०० सँ ७०० लोकक सहभागिता हेबाक अपेक्षा अछि। विदित हो जे मिथिला एकता समाज द्वारा एहि वर्ष पाँचम बेर लगातार ई आयोजन कैल जा रहल अछि। एहि मे समाज सँ आबद्ध व्रतधारी लोकनि खूल्ला पोखरि मे ठाढ नहि भऽ सकबाक कारण कोनो आलीशान होटल केर स्वीमिंग पूल मे ठाढ होएत सूर्य केँ अर्घ्य देबाक लेल हाथ उठबैत छथि। सैकड़ों आदमी फल आ पकवान संग छैठ परमेश्वरीक आराधना करैत अपन मूल गाम-ठाम केर विध-व्यवहार केँ स्मृति करैत भक्ति-समर्पण करबाक एकटा अनूठा उदाहरण बनबैत छथि।
मैथिली जिन्दाबाद पूर्वहि जेकाँ अहु बेर मिथिला एकता समाज केर एहि आयोजन लेल हार्दिक शुभकामना दैत हिनकहि सब जेकाँ आरो-आरो परदेशी समाज सँ अपन मिथिलाक विलक्षण परंपराक रक्षा लेल निवेदन करैत अछि।