चैनपुर – सहरसा मे दुइ‍-दुइ स्थान पर मनायल जाएछ भव्य काली पूजा

उज्ज्वल ठाकुर ‘मालिक’, चैनपुर, सहरसा। अक्टूबर २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

chainpur-kali-mandir1चैनपुर दीपावली 2016 मे अपने तमाम बंधु-बाँधव केर हार्दिक अभिनन्दन अछि। दीवाली हमर गाम चैनपुर केर मुख्य त्योहार थीक। गाम मे दुइ‍-दुइ स्थान पर मेला लगैत अछि। पुरना काली स्थान मे पूजा और कार्यक्रम टा मुख्य रूप सँ होएत अछि जखन कि नवका काली स्थान मे जगह पर्याप्त रहला सँ पूजा और कार्यक्रम केर संग जबरदस्त मेला सेहो लगैत अछि।

एहि बेर मेला मे किछु नव प्रयोग, व्यवस्था सेहो कैल जा रहल अछि। चैनपुर दीपावली मेला कोसी (मिथिला) केर चर्चित मेला थीक। बहुत दूर-दूर सँ कुटुंब परिजन एहि मेला केँ देखबाक लेल आ पूजनोत्सव मनेबाक लेल अबैत छथि। एहि पाबनिक नाम मात्र सँ मन प्रफुल्लित, पल्लवित और पुष्पित होमय लगैछ। एकर स्मृति अनुभूति मात्र सँ मन आनंदक सागर मे गुरकान छानय लगैत अछि।

एहि वर्ष दीपावली 29/10/2016 सँ 01/11/2016 धरि अछि। 29 केँ जन्म, 30 केँ हुकापाती (एक प्रथा), 31 केँ मेला (बलि प्रदान) और 01 केँ विसर्जन अछि। चारू राति रंगारंग सांस्कृति कार्यक्रम चलैत रहैत अछि।

दीपावली प्रेम आर खुशहालीक प्रतीक पर्व थीक। ई पर्व तखनहि सार्थक भऽ सकैत अछि, जखन हम सब बिना कोनो भेदभाव केँ प्रेमपूर्वक मिलिजुलिकय मनाबी। एहि त्योहार केँ मनेबाक लेल गाम सँ बाहर रहनिहार प्रत्येक परिवारक सदस्य लोकनि गाम अबैत छथि। एखनहि सऽ गाम बहरिया सभक आबरजातक चलतबे गाड़ीक गरगराहट सँ गुंजायमान भ रहल अछि। दशहराक बादे सँ साफ सफाई, रंग रोगन, गृह सजावट मे ग्रामीण व्यस्त भ जाएछ।

गाम कृषि प्रधान होएत अछि। एहि समय धान पाकय लगैत छि। किसान सब सेहो खुशी सँ त्योहार केँ मनबैत अछि। एहि गामक पूजनोत्सव केर व्यवस्थापन मे भगवानजी भैया और दीपनारायण भैया नेतृत्व मे मेला समिति निश्चिते टा सफल कार्यक्रम केर संचालन करत। चैनपुर सँ बाहरक अतिथि वृंद केर मेला मे बहुत बहुत स्वागत अछि। अहाँ सेहो दिआ (दीप) जेकाँ जैरकय केकरो जीवनक अंधकार केँ प्रकाशित करी, यैह आशाक संग हर्षित मन सँ एहि सुअवसरपर शुभकामना दय रहल छी।