पंकज झा, मुम्बई। अक्टुबर ४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
मुंबई में मैथिल वर वधु परिचय सम्मेलन के सफलता लेल जोर शोर स जुटल छथि मैथिल समन्वय समिति के कार्यकर्ता लोकनि. जगह जगह जन सभा भ रहल अछि. मुंबई के लगभग सब मैथिल संगठन के भरपूर सहयोग भेट रहल अछि. वर वधु परिचय संग्रह करबाक लेल बहुत रास तरीका अपनावल गेल. जाहि में व्यक्तिगत स्तर स, वेब साईट www.matrimony.maithil.org के द्वारा एवं इन्टरनेट पर विभिन्न सोशल मीडिया पर प्रचार संग. लगभग सम्पूर्ण विश्व में रहनिहार मैथिल केर अलग अलग जगह स परिचय प्राप्त भ रहल अछि.
२३ ओक्टुबर २०१६ क होबय वला सम्मेलन के लाइव टेलिकास्ट सेहो youtube, skype एवं facebook केर माध्यम स कएल जायत. कार्यक्रम के आयोजन वागले एस्टेट, ठाणे, महाराष्ट्र में होयत. वर वधु परिचय के प्रस्तुति तीन तरीका सँ कएल जायत. पहिल समस्त समीक्षा कएल गेल परिचय केर एकटा डायरेक्टरी बनत जाहि में समस्त वर वधू केर सम्पूर्ण विवरण रहत जेना कि नाम, पिता के नाम, माता के नाम, उम्र, शिक्षा, रोजगार, संपर्क, मूल, गोत्र आदि. सब प्रकार के सहभागी लोकनिक परिचय आबि रहल अछि.
सम्मेलन पूर्ण पारिवारिक माहौल मे करेवाक व्यवस्था भ रहल य जाहि सँ मिथिलाक संस्कृति आ सम्मान केँ सुरक्षित राखल जा सकय. आयोजक सिर्फ बेसी स बेसी परिचय उपलब्ध करेबाक जिम्मेदारी संग ई सम्मेलन करबा रहला अछि. परिचय केर सत्यता केँ पूर्ण समीक्षा आ जानकारी केर जिम्मेदारी मात्र अभिभावक केँ व सम्बन्धित पक्ष केँ अपन हेतैन.
सम्मेलन में परिचय सत्र केर अलावा उपस्थित जन केँ मनोरंजन लेल सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन सेहो करेबाक नियार कएल गेल जाहि में बहुत रास सुपरिचित कलाकार सब आबि रहला अछि. संगहि किछु नव आ स्थानीय कलाकार सेहो अपन कला के प्रदर्शन करता. जकर तैयारी खूब उत्साह आ उमंग के संग भ रहल य. कार्यक्रम केर सफलता लेल संदीप यूनिवर्सिटी के सी इ ओ संदीप झा, धीरज चन्द्र झा, जयमधाव झा, प्रेमचंद्र झा, विनय कान्त झा, पंकज झा, डॉ प्रतिभा झा, राजकुमार झा, अशोक सिन्हा, विमल झा, अंगद चौधरी, अरुण चौधरी, कुणाल ठाकुर, ललित झा, दीपक झा, कृष्णकुमार झा, धनंजय झा, रबिन्द्र झा, प्रमोद झा आदि बहुत रास मैथिल समाजसेवी पूर्ण मनोयोग सँ लागल छैथ.