मिथिलाक सुसंस्कार सँ अरब सेहो सुगंधित

विशेष अभियानक परिचयः केन्द्र मे मिथिला एकता समाज, सउदी अरब

– प्रवीण नारायण चौधरी

मिथिला समाज विश्व लेल अग्रभूमिका निर्वाह करैत रहत: सुनील गुप्ता, अध्यक्ष, मिथिला एकता समाज (सउदी अरब)

mithila-ekta-samaj-logoनिरन्तर अपन संस्कृति, भाषा आ आपसी सौहार्द्र सँ मानवता प्रति सर्वोत्तम सेवा देबाक उद्देश्य सँ निर्मित खाडी राष्ट्रक सउदी अरब मे मैथिल (मिथिलावासी) – नेपाल प्रवासी लोकनिक संगठन ‘मिथिला एकता समाज’ अपन सांगठनिक स्वरूपकेँ मजबूती प्रदान करैत आबि रहल अछि।

मिथिला एकता समाज द्वारा साल भैर मे अनेकानेक धार्मिक एवं सामाजिक आयोजन सब अपन सदस्य सबकेँ एकठाम एकत्रित कय केँ करैत आबि रहल अछि। चाहे अष्टयाम संकीर्तन हो, चाहे सामाजिक योगदान लेल सम्मान हो, चाहे साहित्यिक अनुष्ठान हो, चाहे मिथिलाक पाबैन छैठ, होली, दीपावली जे किछु हो, सब अवसर पर अपन सदस्य सबकेँ एकठाम राखि आयोजन करबाक एक परंपरा निर्वाह करैत रहल अछि ई एकता समाज।

एकर वर्तमान अध्यक्ष सुनील कुमार गुप्ता कहैत रहला अछि जे मिथिला समाज जहिना शास्त्रीय संदेश सँ विश्व लेल एकटा नव राह आदिकाल सँ बनौलक तहिना वर्तमान मे सेहो मिथिला समाजक लोक चाहे कोनो देश मे किऐक नहि बसय – रोजी कमाय, मुदा ओ सब सांस्कृतिक सद्भावना सँ एकताक संदेश देनाय विश्व केर अन्य समाज लेल निरंतरता मे रखैत अछि।

सउदी अरब मे विगत कतेको वर्ष सँ मिथिला-मैथिली आ निज-धर्म तथा भाइचारा केर रक्षार्थ एहि संस्था द्वारा नित्य नव-नव कार्य होइत रहल अछि। एहि राष्ट्रक राजा तथा नेपाली दूतावास केर उच्चाधिकारी सहित केर सहभागिता सँ एहि तरहक प्रस्तुति वास्तवमे हमरा सब लेल अनुकरणीय अछि।