मुम्बई, सितम्बर २३, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
विधवा और गरीब बच्चा सबकेँ वस्त्र व स्कूल बैग वितरण कैल गेल सांस्कृतिक आयोजन मे
हरेक वर्षक जेकाँ अहु बेर मिथिला विकास सेनाक सदस्य सब मिलिजुलिकय बाबा विश्वकर्मा केर भव्य पूजनोत्सव केलनि। ममता गार्डन फूलपाड़ा में संपन्न एहि आयोजन मे मिथिलाक विशाल जनमानसक सहभागिता रहल।
एहि अवसर पर भक्तिभावना सँ भरल विभिन्न आयोजनक संग बहुते रास सामाजिक कार्य सेहो कैल गेल। विरार टीम द्वारा जतय विधवा महिला सब केँ वस्त्र साड़ी और गरीब बच्चा केँ स्कूल बैग बँटलक ओत्तहि नालासोपाराक टीम द्वारा फ्री हेल्थ चेकअप केर कार्यक्रम राखल गेल। एहि पूजा केँ सफल बनेबा में मुख्य योगदान पूजा समिति और मिथिला विकास सेनाक अध्यक्ष सुधीर ठाकुर, उपाध्यक्ष संजीव ठाकुर, कोषाध्यक्ष अशोक ठाकुर, रविन्द्र शर्मा, मनोज ठाकुर, अनिल ठाकुर, श्रवण शर्मा, मुकेश ठाकुर, देवेन्द्र शर्मा, अनिल ठाकुर वासी, प्रवीण ठाकुर, दिलीप ठाकुर, प्रिंस शर्मा, ऋषि ठाकुर, गुड्डू गुप्ता, वीरेंद्र शर्मा, रविन्द्र ठाकुर केर रहलनि।
कार्यक्रम केँ चारि चाँद तखन लागल जखन अरुण ठाकुर म्यूजिकल ग्रुप केर कलाकर लोकनि गीत ओ नृत्य सँ साँझक समय सुरम्य वातावरण बनौलनि। गायक अरुण ठाकुर, अन्नू चौधरी, राघवेंद्र शर्मा, रश्मिप्रिया झा केर आवाज़ त किछु एहि तरहक बानगी पसारलक जे पानि-बुन्नी पड़ितो दर्शक सब अपन छाता तानिकय कार्यक्रम अंत धरि देखैत रहला।
मिथिलाक लोक नृत्य जट जटिन केर भव्य प्रस्तुति केँ दर्शक सब खूब पसिन कएलनि।
स्थानिय नगर सेविका पुतुल रविन्द्र झा ओतय आबि मिथिला विकास सेनाक पूरे टीम केँ बधाई देलनि और संगहि आयोजन करबाक प्रति आभार प्रकट करैत उत्साहवर्धन सेहो केलनि। मिथिला विकास सेनाक टीम पुतुल झा, रविन्द्र झा, सभापति पी.एन. इंगले, संगीतकार रंजीत कुमार, गौरव झा व अन्य अतिथि लोकनि केँ स्मृतिचिह्न, दोपटा आ पुष्पगुच्छ भेंट कय सम्मानित केलनि। एहि गरिमामयी समारोहक मंच संचालन अमिताभ रंजन द्वारा कैल गेल।
विदिते अछि जे महाराष्ट्र मे एक दिस बिहारी सब पर मराठी अस्मिताक रक्षार्थ अत्याचार केर दृश्य बनैत अछि, मुदा दोसर दिस मिथिलाक नामपर अपार जनसमर्थन भेटैत अछि। एहि तरहें ओतय दर्जनों संस्था अपन मैथिली भाषा व मिथिला संस्कृति प्रति समर्पित रहिकय विभिन्न आयोजनादि करैत रहैत छथि।