अहिल्या स्थान शामिल अछि राम रूट पर्यटन सर्किट मे

अहिल्यास्थान, दरभंगा। सितम्बर ७, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mridula sinha ahilyasthanकाल्हि ६ सितम्बर, २०१६ मंगल दिन मिथिलाक एक अत्यन्त प्रसिद्ध तीर्थस्थल अहिल्यास्थान मे मिथिलाक बेटी आ गोआ केर महामहिम राज्यपाल डा. मृदुला सिन्हा आयल छलीह। राज्य केर उपेक्षाक कारण पर्यटन दृष्टि सँ आइ धरि ई स्थान कोनो उपलब्धि हासिल नहि कय सकल अछि वनिस्पत अहिल्या समान अन्य पौराणिक महत्वक दोसर राज्यक कोनो स्थान जाहि तरहें केन्द्र अथवा राज्य सरकार द्वारा कैल गेल अछि।

वर्तमान समय अहिल्या स्थान न्यास समितिक उपाध्यक्ष एवं भाजपा नेताक संग मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रदेश महासचिव हेमन्त कुमार झा छथि। मैथिली जिन्दाबाद केँ जानकारी करबैत कहलैन अछि जे माननीया राज्यपाल डा. मृदुला सिन्हाक यात्रा सँ क्षेत्रक लोक केँ एकटा नव आशा जागल अछि। हाल किछु समय सँ न्यासक सक्रियता बढला उपरान्त उपलब्धिमूलक कार्य होमय लागल अछि। डा. सिन्हा जानकारी करबैत कहलैन जे भोरे मे भारत सरकार केर पर्यटन मंत्री डा. महेश शर्मा सँ बात भेल छलन्हि, ओ कहलैन जे पर्यटन विकासक महात्वाकांक्षी योजना ‘राम रूट’ मे अहिल्या स्थान केँ सेहो समेटल गेल अछि। एहि सँ विश्वास बढि गेल अछि जे आब अवस्से अहिल्या स्थानक समुचित विकास होयत। हमर कार्यकालक ई सब सँ पैघ उपलब्धि थीक। भारत सरकार और खास कय राज्यपाल महोदया केँ बहुत बहुत धन्यवाद आ आभार प्रकट करैत मिथिलाक जनमानस केँ ई सूचित करय लेल चाहैत छी जे पर्यटकीय महत्वक स्थान केँ देशक मानचित्र पर प्रकाशित करबाक लेल एकजुट रहबाक आवश्यकता अछि। मिथिलाक उपेक्षा पहिनहि बहुत भऽ चुकल अछि, लेकिन आब हम सब एहि लेल पूर्ण जाग्रत अवस्था मे रहब तऽ हमरा सबहक विकास केँ कियो नहि रोकि सकैत अछि।