‘वेदान्त भूमि’ पर मिरानिसे द्वारा डा. लक्ष्मण झाक जन्मसदी

रसियारी, दरभंगा। सितम्बर ६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

dr laxman jha smaarak mrnsजनजागरण अभियानक संग-संग आगामी ८-९ नवम्बर दरभंगा मे प्रस्ताविक मिथिला राज्य निर्माण सेनाक राष्ट्रीय महाधिवेशन तथा विशाल जनसभाक आयोजन लेल लोक सब केँ आमंत्रण करबाक क्रम जारी अछि। ३ सितम्बर जतय भारत-नेपालक सीमा जयनगर मे जनसभा माध्यम सँ लोक सबकेँ आमंत्रित कैल गेल ओत्तहि ५ सितम्बर केँ मिथिला राज्यक प्रणेता आ भारतीय संघ मे मिथिला राज्य केर स्थापना करबाक मांग केँ स्थापित कएनिहार डा. लक्ष्मण झा केर जन्मसदीक अवसर पर मिरानिसे राष्ट्रीय महासचिव राजेश झा, वरिष्ठ अभियानी संजय रिक्थ, अजित चौधरी सहित एकटा यात्रा टोली हुनकर स्मारक स्थल ‘वेदान्त भूमि’ पर पहुँचि महापुरुष केँ श्रद्धाञ्जलि सुमन अर्पित केलक।

एहि अवसर पर आयोजित एक कोण सभा केँ संबोधित करैत अभियानी लोकैन कहलैन जे आधुनिक मिथिला निर्माणक प्रणेता डा. लक्ष्मण झा केर अधूरा सपना केँ पूरा करबाक जिम्मेवारी हम सब अपना कान्ह पर उठा लेने छी। एहि सन्दर्भ मे आगामी ८-९ नवम्बर शंखघोष कैल जेबाक अछि। एहि मे बेसी सँ बेसी आम जनमानसक सहभागिता लेल सब ठाँ आमंत्रण करैत आबि रहल छी। सुरसंड सँ कटिहार धरिक १५ गो जिला मे अभियान महत्वपूर्ण भूमिका कय चुकल अछि। आर ई निरंतरता मे रहत। डा. झा केर सपना पूरा करब हमरा सभक साझा जिम्मेदारी छी।

मिरानिसे राष्ट्रीय महासचिव मैथिली जिन्दाबाद केँ अपन मन्तव्य पठबैक कहलैन अछि जे मिथिला राज्य निर्माण सेना द्वारा मिथिला राज्य आंदोलन केर पितृ पुरुष आदरणीय लखन बाबु केर रसियारी स्थित वेदांत भूमि पर उपस्थित ग्रामीण सब के संग हुनक जन्मशती पर माल्यार्पण कैल। डॉ साहेब हमरा सब मिथिला आन्दोलनी केर जीवन सहज आ स्थिर राखैथ। संगहि आगामी 8-9 नवंबर के दरभंगा राष्ट्रिय अधिवेशन सह आम जनसभा लेल मैथिल लोक में प्रेरणा जगबैथ।जय मिथिला जय जानकी जय मिरानीसे।

वरिष्ठ अभियानी संजय रिक्थ एहि ५ सितम्बर केँ मिथिला राज्य लेल संकल्प दिवस केर रूप मे मनेबाक प्रस्ताव रखलैन जेकरा स्थानीय जनता बड जोर-शोर सँ समर्थन देलनि।

स्थानीय जनता पहिने तऽ आक्रोश रखलैन जे डा. झा केर सपना लेल जाहि तरहें जनजागरण अभियान गामे-गाम चलबाक चाही से नहि चलाओल जा रहल अछि। मात्र एक दिन कतहु जाय समारोह कय लेला सँ ई सपना पूरा होयब कठिन अछि। परन्तु मिरानिसे केर विचार आ काज सुनि सब कियो आह्लादित भेलाह आर एहि मे भरपूर सहयोग देबाक वचन देलनि।