मिथिलाक्षेत्रक चारि अड्डा सँ उड़ान भरत हवाईजहाजः महेश शर्मा

दिल्ली, सितम्बर ६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mahesh sharma ministerअखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समितिक महासचिव शिशिर कुमार झा जानकारी दैत कहलैन अछि जे पर्यटन मंत्री डा० महेश शर्मा देशक ६५ हवाई अड्डा कें पर्यटन लेल विकसित करबाक घोषणा केलैनि अछि जाहि मे बिहारक पटना आ गया के अतिरिक्त मिथिला क्षेत्र सँ दरभंगा, मुजफ्फरपुर, पूर्णिया आ भागलपुरक चयन कैल गेल अछि।

ओ मंत्रीक एहि घोषणा प्रति संतोष व्यक्त करैत धन्यवाद सेहो देलैन अछि। बकौल झा संघर्ष समिति एहि तरहक व्यवस्था लेल बहुत दिन सँ संघर्षरत रहल अछि आर हुनका ज्ञापन दय मांगो केने रहय आ संगहि प्रिंट मिडिया, जंतर-मंतर पर धरना, विदेश मंत्री आ गृहमंत्री लग सेहो ई मुद्दा जोरदार ढंग सँ उठौने रहय।

विदिते अछि जे दरभंगाक सांसद कीर्ति आजाद सेहो हालहि मे मंत्री महेश शर्मा संग भेंट करैत दरभंगा मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी रहबाक कारणे नेपाल-भारत दुनू देशक जनता लेल एकटा अत्यन्त उपयोगी हवाईअड्डा प्रमाणित होयत कहैत बेर-बेर ई मांग करैत आबि रहला अछि। दरभंगा मे हवाईअड्डा चालू करेबाक मांग लेल ओ हस्ताक्षर अभियान सेहो चलौने छलाह।

तहिना आरो-आरो संघ-संगठन एहि मांग लेल भारत सरकार सँ बेर-बेर अनुरोध करैत रहल अछि। बीच मे एक बेर दरभंगा सँ कोलकाता एकटा विमान संचालन कैलो गेल छल, मुदा ओ बस ट्रायल टा रहिकय फेर बन्द भऽ गेल छल। पर्यटन मंत्रीक नव घोषणा सँ मिथिला क्षेत्रक पर्यटन आब देश-विदेश सब तैर सँ जुड़त। जनकपुर आ जानकीक विशेष कृपा सँ ई कार्य शीघ्र शुरु होयत, से आशा रखैत मिथिला राज्य निर्माण सेनाक प्रदेश अध्यक्ष डा. रंगनाथ ठाकुर सेहो मंत्रीक घोषणा केँ स्वागत कएलनि अछि।

मिथिलाक विभिन्न संघ-संगठन द्वारा मंत्रीक एहि घोषणा केँ स्वागत करैत एहि क्षेत्रक पर्यटन उद्योग विकसित भेला सँ आर्थिक विकास केर नव आशा जगबाक बात सेहो रखलैन अछि।