Search

प्रतियोगिता परीक्षाक तैयारी लेल मैथिलक संस्थान – चाणक्य कैरियर एकेडमी, जमशेदपुर

चाणक्य कैरियर एकेडमी – जमशेदपुर शहर मे खास चर्चा

समाचारपत्र मे प्रकाशित विस्तृत विवरण

जमशेदपुर शहर मे प्रतियोगी परीक्षाक तैयारी करेबा मे चाणक्य कैरियर एकेडमीक नाम खास चर्चा मे अछि। सर्वाधिक सफल प्रतियोगी देबाक रेकर्ड बनबैत एहि संस्थानक निदेशकद्वय सुजित कुमार झा व अमर सिंह काफी लोकप्रियता हासिल कय रहला अछि। मैथिली जिन्दाबाद केँ ई जानकारी दैत अन्तर्राष्ट्रीय मैथिली परिषदक नवनिर्वाचित अध्यक्ष अमलेश झा दुनू निदेशक केँ बधाई सेहो ज्ञापन केलाह आ मैथिलक धिया-पुता सहित गरीब छात्र-छात्रा आदि लेल खास सहयोग उपलब्ध करेबाक लेल एहि संस्थानकेँ सन्दर्भ मे राखबाक आम अपील सेहो केलनि। मैथिली जिन्दाबाद संपादन समूह द्वारा चाणक्य कैरियर एकेडमी आ सुजितजी तथा अमरजी लेल मैथिली-मिथिला दिशि खास ध्यान रखबाक शुभकामनाक संग हार्दिक बधाई ज्ञापन करैत छी।

हरि: हर:!!

Related Articles