सहरसा ग्रुप मिलन समारोह मे २० स्रष्टाक सम्मान

सहरसा, अगस्त २४, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

समाचार साभारः सहरसा ग्रुप

saharsa group3बीतल २१ अगस्त, २०१६ रवि दिन फेसबुक पर उपस्थित सहरसा ग्रुप द्वारा दोसर वर्षक मिलन समारोह आयोजित भेल। पैछला वर्ष सँ बेसी रास महत्वपूर्ण व्यक्तित्व एवं स्रष्टा सबहक भीड़ जुटब एहि कार्यक्रमक महत्व आर आवश्यकता केँ अपने आप वर्णन करैत अछि।

फेसबुक सहरसा ग्रुप केर संयोजक कुमार रविशंकर व ग्रुप संचालक अन्य मित्रक संग एहि मिलन समारोह केर सफलता लेल दिन-राति मेहनत कएनिहार युवा सामाजिक अभियन्ता लोकनि एहि बेरुक कार्यक्रम सहरसाक रेडक्रॉस सेमिनार हॉल मे भव्यतापूर्वक आयोजित कएलनि।

saharsa group2सोसल मिडिया व ब्लागिंग जगत मे प्रसिद्ध आ चर्चित व्यक्तित्व डा. रविन्द्र प्रभात लखनऊ सँ मुख्य अतिथिक रूप मे भाग लेलनि। राजनीतिकर्मी शिक्षाविद् डा. राम नरेश सिंह, गजलकार अनिरुद्ध सिन्हा, मैथिली कवि अरविन्द मिश्र निरज, एसडीओ सदर जहांगीर आलम, एसडीपीओ सुबोध विश्वास, कवि कुमार विजय गुप्त (मुंगेर), डॉ० के.एस. ओझा (प्राचार्य एस०एन०एस कॉलेज, सहरसा सहित आरो कतेको रास माननीय एवं गणमान्य सर्जक लोकनिक नीक सहभागिता मे ई आयोजन सोसल मिडिया सँ यथार्थ धरातल पर विलक्षण प्रभावकारिताक संग सफल भेल।

उपस्थित समस्त अतिथि केँ पाग पहिराकय मिथिलाक धरती पारंपरिक शैली मे स्वागत एवं सत्कार कैल गेल छल। कार्यक्रमक औपचारिक उद्घाटन सेहो सब अतिथि द्वारा सामूहिक रूप सँ दीप प्रज्ज्वलन करैत कैल गेल।

सार्थक विचारक लोक सोसल मिडिया केर सकारात्मक उपयोग करैत अछि, एकर अनुपम उदाहरण सहरसा ग्रुप द्वारा लगातार दोसर वर्ष आयोजन कय केँ सिद्ध कैल गेल अछि। वर्तमान समय मे सोसल मिडिया लोकक हक व अधिकार लेल आवाज बनबाक संग-संग निज कर्तब्यपरायणताक पाठ सेहो सिखबैय मे महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह कय रहल अछि। ई भावना सहभागी विशिष्ट गणमान्य अतिथि एवं वक्ता लोकनि रखलनि। आगामी समय मे आरो महत्वपूर्ण योजनाक संग ई संङ्गोर काज सिद्ध होयबाक सब कियो आशा एवं अपेक्षा रखलैन।

एहि अवसर पर शशि सरोजनी नाट्य सेवा संस्थान द्वारा रंगारंग सांस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत कैल गेल।

सहरसा ग्रुप मिलन समारोह मे एकटा अत्यन्त महत्वपूर्ण चर्चा ईहो भेल जे प्रख्यात साहित्यकार आ सहरसाक पवित्र माटिक लाल स्व. राजकमल चौधरी केर स्मारक सहरसा मे स्थापित कैल जाय । सहरसा ग्रुप एहि लेल डेग उठेबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलक ।

saharsa group1तहिना उपरोक्त आयोजन मे कुल २० स्रष्टा-सर्जक केँ सहरसा ग्रुप द्वारा स्मृति चिन्ह प्रदान करैत सम्मानित कैल गेल जेकर पूर्ण विवरण निम्न अछिः

  1. श्री जहांगीर आलम, सहरसा सदर एस.डी.ओ.
  2. श्री सुबोध विश्वास, सहरसा सदर एस.डी.पी.ओ.
  3. डॉ रविन्द्र प्रभात, वरिष्ट ब्लॉगर व् गजलकार, परिकल्पना केर संस्थापक, गूगल एवं विकिपीडिया केर एडवाइजरी बोर्डक सदस्य
  4. डॉ रामनरेश सिंह, विभागाध्यक्ष मैथिली, पी.जी सेंटर, सहरसा, खान मंत्रालय में राजभाषा समितिक सदस्य, भारी उदयोग मंत्रालय मे निदेशक, भारतीय भाषा संस्थान मे मैथिली विशेषज्ञ, सीनेट सदस्य बी ऐन मंडल विश्वविद्यालय
  5. श्री अनिरुद्ध सिन्हा, गजलकार
  6. श्री कुमार विजय गुप्त, समकालीन कवि
  7. प्रो कृपाशंकर ओझा, प्राचार्य, सर्वनारायण सिंह महाविद्यालय
  8. श्री अरविन्द श्रीवास्तव, समकालीन कवि
  9. श्री अरविंद मिश्र नीरज, मैथिलि कवि
  10. श्री शशिशेखर झा सम्राट, युवा नेता एवं सामाजिक कार्यकर्ता
  11. श्री अविजीत सिंह चौहान, एडमिन सहरसा ग्रुप
  12. श्री राकेश कुमार सिंह, संस्थापक मधेपुरा टाइम्स
  13. श्री चन्दन सिंह, संस्थापक सहरसा टाइम्स
  14. श्री कुणाल किशोर, संस्थापक कोशी एक्सप्रेस
  15. श्री सुनील कुमार झा, रिसर्च संपादक, इ समाद
  16. श्री अमित, गौतम इन्फोटेक, मधेपुरा
  17. श्री रजनीश, निदेशक, द्रोणाचार्य पब्लिक स्कूल
  18. श्री सोमू आनंद, सोशल मीडिया एक्टिविस्ट
  19. शशि सरोजिनी रंगमंच संस्थान
  20. श्री कुमार रविशंकर, हिंदी अनुवादक, संस्थापक सहरसा ग्रुप