संस्कार मिथिला मुम्बई द्वारा स्वतंत्रता दिवस पर रक्तदान कार्यक्रम

संस्कार मिथिला फाउंडेशन फेर करत रक्तदान शिविर केर आयोजन

– प्रकाश कमती, मुम्बई। अगस्त ५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

kunal thakurमित्रगण, हम मिथिला फाउन्डेशनक संस्थापक व संयोजक समस्त मुम्बईवासी मैथिल सँ विनतीपूर्वक अनुरोध करैत छी जे संस्कार मिथिला फाउन्डेशन द्वारा राखल जा रहल रक्तदान शिविर मे राष्ट्र केर स्वतंत्रता दिवसक उपलक्ष्य पुनः बैढ-चैढकय भाग ली। – ई निवेदन श्री कुणाल ठाकुर कएलनि मुम्बईवासी मैथिल सँ कएलनि अछि।

रक्तदान महादान होएत छैक। ‘संस्कार मिथिला फाउंडेशन’ केर समाजिक कार्य आ योगदानसँ सबकियो परिचित छी। अहि संस्थाक उद्देश्य समाजिक स्तर पर धर्म, संस्कृति, असहाय मैथिलकेर सहयोग रुपे सतत सुनबा आ देखबा में आबैत रहैत अछि।

संस्कार मिथिला फाउंडेशन विगत कतेको बरखसँ समाजिक कार्य केर प्राथमिकता दैत ‘रक्तदान शिविर’ केर आयोजन करैत आबि रहल अछि। बरख में दू-बेर एकटा 26 जनवरी (गणतंत्र दिवस) आ दोसर 15 अगस्त (स्वतंत्रता दिवस) केर उपलक्ष्य में ‘रक्तदान शिविर’क आयोजन अहि संस्थाक अटल प्रण थिक।

संस्थाक राष्ट्रीय संयोजक श्री कुणाल ठाकुर जी जनौलनि अछि जे इहो बेर आयोजन पूर्व केर भांति सुनिश्चित अछि। संस्थाक पदाधिकारी संगहि सभ सदस्यक योगदानसँ इ आयोजन आगुओ जस केर तस होएत रहत। अतः समस्त प्रवासी मैथिल समाज जे महाराष्ट्र में रहैत छथि हुनका सबसँ अहि रक्तदान शिविर में उपस्थित भए अपन अमूल्य रक्त केर दान करबाक अपील करैत छी। अहाँ सबगोटे जनैत छी जे आकस्मिक अनेको मैथिल केर उपचार केर दौरान रक्तक कमी होबाक खबैर भेटैत अछि आ तखन अहिं सब द्वारा कएल गेल रक्तदान हुनक उपचार में रक्तक कमी केर भरपाई करैत अछि, तैं अपनेक सबगोटे आगामी तारीख 15 अगस्त, सोमदिन संस्कार मिथिला केर कार्यालय अवश्य आबि आ अहि समाजिक आयोजन केर सफल आयोजन में अपन योगदान दए अनुग्रहित करि।

विस्तृत पता संगहि संपर्क सूत्र निम्नलिखित अछि। संस्कार मिथिला फाउंडेशन भास्कर कॉमर्शियल काम्प्लेक्स बी-विंग, गाला नंबर – 106, नजदीकी 8 नंबर रेलवे प्लेटफार्म, विरार (पश्चिम) महाराष्ट्र संपर्क नंबर – 09702594226 निवेदक – संस्कार मिथिला फाउंडेशन कुणाल ठाकुर।