मुम्बई, जुलाई २६, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
साभारः दीपक कुमार झा, मैथिल समन्वय समिति, मुम्बई, भारत
विनम्र सूचना”
मान्यवर मैथिली अनुरागी,
जय मैथिली!
अपार हर्षक संग सूचित कऽ रहल छी जे “मैथिल समन्वय समिति” केर तत्वावधान मे आगामी 23 अक्टूबर, 2016 यथा रविदिन चिर आकांक्षित आयोजन “वर-वधू परिचय सम्मेलन”क तिथि निर्धारित कयल गेल अछि । जकर आयोजन ठाणे स्थित “वाग्ले इस्टेट” मे होयब निश्चित भेल अछि ।
सम्पूर्ण प्रवासी व निवासी मैथिल समाज सँ विनम्रतापूर्वक निवेदनक संग-संग आह्वान अछि जे मुंबई/महाराष्ट्रक भूमि पर पहिल बेर आयोजित होमय जा रहल एहि ऐतिहासिक सम्मेलन कें पूर्णरूपेण सफल बनेबाक हेतु अपनेलोकनिक समर्पित सहयोग आकांक्षित अछि ।
संगहि एहि तथ्य कें ध्यान मे राखब नितांत प्रयोजनीय अछि जे जाहि सामाजिक सेवा हेतु विचारधाराक सर्वोत्तम बीज-वपण विगत् 10 जनवरी, 2016 कें राजेन्द्र भवन मे करतल ध्वनि सँ उपस्थित अनेकों मैथिलसेवी संगठनक प्रतिनिधि एवं प्रबुद्ध समाजसेवी सुधिवृन्दक उपस्थिति मे सामूहिक निर्णयक आधार पर लेल गेल छल ताहि विचारधारा कें मैथिल समाजक सहयोगक बलें 23 अक्टूबर, 2016 कें भव्यतापूर्वक आयोजनक आकांक्षित समय आबि गेल अछि ।
वर-वधूक विस्तृत जानकारी जाहि मे वर पक्ष एवं वधू पक्षक सूचना एकत्रित करबाक हेतु “मैथिल समन्वय समिति”क वेवसाइटक अतिरिक्त व्यक्तिगत सम्पर्कक आधार पर निर्गत करबाक कार्य अबिलंब प्रारंभ करी तथा प्रतिदिन वाट्सअप ग्रुप तथा मोबाइल आदिक माध्यमें कार्य प्रगतिक ठोस सूचना, सभहक संग शेयर करी जाहि सँ सम्पर्कक सुविधा कार्य सम्पादन मे सहायक सिद्ध हो । जय श्री हरि ।
निवेदक :
मैथिल समन्वय समिति
मुंबई ।
http://maithil.org/

3 Comments
मिथिलाक उन्नति होमय।
मैथिल केर उन्नति होय
यैह कामना अछि।
Outstanding effort
Hats off 4 ur effort
Thanks for appreciation! We actually need more and more feedback and also the introductions of bachelor/maiden groom/brides from Mithila community. Let’s try to explore this effort to all around yourself.