सउदी अरब मे मिथिला एकता समाज द्वारा अष्टयाम कीर्तन

रियाध, जुलाई १८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

mithila ekta samaj2अपन गाम-देश सँ दूर प्रवास पर रहैत मिथिला एकता समाज सउदी अरब सब वर्ष भिन्न-भिन्न तरहक सांस्कृतिक कार्यक्रम केर आयोजन करैत अपन भाषा, भेष आ संस्कारक रक्षा करैत आबि रहल अछि। एहि संस्था द्वारा हरेक वर्ष अष्टयाम कीर्तन केर आयोजनक संग-संग छैठ, दिपावली मिलन, होली मिलन व समय-समय पर अन्य विभिन्न प्रकारक सामाजिक-सांस्कृतिक कार्यक्रम निरंतर आयोजन कैल जाएत अछि।

mithila ekta samaj4बीतल शुक्र दिन मिथिला एकता समाज केर वार्षिक साधरण सभा सम्पन्न कैल गेल आर आर्थिक आय-व्यय केर हिसाब-प्रतिवेदन समस्त सदस्य लोकनिक उपस्थिति मे प्रस्तुत कैल गेल – ई जानकारी मिथिला एकता समाज केर अध्यक्ष सुनील गुप्ता मैथिली जिन्दाबाद केँ करौलनि अछि। सुनील गुप्ताक अध्यक्षता मे सभा सम्पन्न भेल सभा समाज केर सब पदाधिकारी लोकनि एहि अवसर पर उपस्थित छलाह। संगहि 100 गोटे सँ बेसी सदस्य सब केर उपस्थिति छल सभा मे। बीतल साल आउर आब वाला साल मे समाज केँ कोना कय आगू बढाओल जाय, आर कोना केँ समाज केर सेवा कएल जाय ताहिपर विषय पर वृहत् चर्चा भेल।

mithila ekta samaj3वार्षिक साधारण सभा सँ पूर्वहि जुलाई ५ आ ६ तारीख वार्षिक अष्टयाम कीर्तन केर कार्यक्रम आयोजन कैल गेल छल। एहि कीर्तन मे मिथिला एकता समाज केर रियाधक अतिरिक्त बाहरो शहर सब मे कार्यरत मैथिल व नेपाली जनमानसक अपार सहभागिता देखल गेल छल। करीब ५ सँ ७ हजार श्रद्धालू भक्त लोकनि एहि २४ घंटा निरंतर चलयवला कीर्तन मे भाग लेलनि। कीर्तनक अन्त मे सामूहिक भोज भंडाराक संग कार्यक्रम समापन कैल गेल छल।

अध्यक्ष गुप्ता कहलनि जे परदेश मे रहब आ विभिन्न तरहक नौकरी पेशा मे लागल रहला सँ हम सब थाकि जाएत छी। अपन गाम आ मूल संस्कृतिक याद बहुत सताबैत रहैत अछि। तैँ अपन संस्कृति अनुरूप जखन कोनो आयोजन करैत छी तऽ रिफ्रेशमेन्ट भेटैत अछि, ताजगी आ नव उर्जा सँ हम सब भरि जाएत छी। कनीकाल लेल एना लगैत अछि जेना अपनहि गाम मे अपन लोकक बीच आबि गेलहुँ अछि। सामूहिक भोज मे सबकेँ भोजन करौनाय सेहो हमरा सबहक मूल संस्कार मे अछि। एहि आयोजन मे हमरा सबहक अरबी नियोक्ता सेहो भरपूर सहयोग करैत छथि। सउदी अरब एक ईस्लामिक राष्ट्र केर रूप मे कोनो आन धर्मक कार्यक्रम केँ सार्वजनिक प्रदर्शन नहि करय दैछ, मुदा हम सब जाहि ठाम रहैत छी ओतूका नियोक्ता हमरा लोकनि मे नव उर्जाक संचरण हेतु एहेन तरहक आयोजन लेल सहयोग करैत छथि। हम सब हुनकर आभारी छी जे एना मौका भेटैत अछि आर आपस मे हम सब एकताक भावना सँ सेहो उर्जान्वित होएत छी।

निश्चित रूप सँ मिथिला एकता समाज केर हरेक कार्यक्रम आनो संस्था लेल अनुकरणीय अछि। मैथिली जिन्दाबाद केर तरफ सँ हिनका लोकनि केँ हार्दिक शुभकामना!!