जुलाई १८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
पैछला दुइ सप्ताह सँ अनलाइन अपरेशन यात्रा मे व्यस्तताक कारण संभव नहि भऽ सकल। समयाभाव मे मैथिली जिन्दाबाद लेल नव एडमिन केर नियुक्ति आ प्रशिक्षण कार्य पूरा नहि भऽ सकल अछि। जिनका सब पर पहिने सँ भार अछि ओ सब एखन धरि अनलाइन मैटर लगेनाय नहि जनलनि अछि। जे जनितो छथि तिनका पास समयक बड पैघ अभाव छन्हि। तइयो माँ मैथिलीक विशेष कृपा सँ सब किछु जेना-तेना चलि रहल अछि।
एहि बीच बहुत रास कार्य सब संपन्न भेल अछि। एहि मे सँ एकटा अत्यन्त महत्वपूर्ण कार्यक्रम कतार देश मे रहनिहार प्रवासी मैथिल युवा लोकनि ‘हेल्प मधेशी’ बैनर अन्तर्गत केलनि। सब सँ पैघ खुशीक बात जे ई सब अपन मिथिलाक विशेष परिधान मे सजल-धजल विदेशक धरती पर ई कार्यक्रम सुमधुर भाषा मैथिली मे करैत आगामी समय आरो बेसी सजग आ सुदृढ विचारधाराक संग बढबाक प्रतिबद्धता प्रकट केलनि, जे एहि कार्यक्रमक अपार सफलताक द्योतक मानल जा सकैत अछि। आउ पढैत छी पूरा समाचार!
“हेल्प मधेशी” द्वारा दोहा-कतार में ईद मेला सम्पन्न
रिपोर्टः विन्देश्वर ठाकुर, दोहा – कतार सँ
काल्हि शुक्र दिन ०८/०७/२०१६, कतारके अलडोसरी पार्कमे #हेल्प_मधेशी द्वारा आयोजित कार्यक्रम #ईद_मेला सफलतापूर्बक सम्पन्न भेल अछि । विधिवत रुपमे ईद पछिले बुध दिन रहितो सब कामदार सबहक छुट्टी शुक्र दिन भेला सँ बेसी सँ बेसी लोक आबए,ताँहि हिसाबे कार्यक्रम शुक्र दिन राखल गेल छल । से सत्ते एबो कएल । कार्यक्रम में दोहा,सनैया,अलखोर,जमेलिया, दुखान लगायत बहुतो दूर आ नजिककें साथीसब उपस्थित भेल छलाह । मेलामे नास्ताकें रुपमे अपन मिथिलाक संस्कृतिके खानपान -मुरही,कचरी,बरी देल गेल छल त खाना कें रुपमे -चुरा,दही,चिनी,अचाँर, नुन,आ हरियरका मिर्चाइ सँ स्वागत कएल गेल छल । ईद मेले कें बहन्ने सही,मुदा कतारमे पसरल समुच्चा मैथिल/मधेशी सब एकजुट भेल,एक दोसर संग शुभकामना आदान-प्रदान कएल । तहिना मधेशक हक/हित व जनकल्याण लेल सोचल से बड बेसी साकारात्मक पक्ष ।
कार्यक्रम दिनकें ११ बजे सँ साँझुक ६ बजे धरि चलल छल । कवि विन्देश्वर ठाकुर द्वारा संचालित कार्यक्रमे सब सँ पहिने एलवम #चहटगर_चटनीक गीत #धोती_कुर्ता_गमछा_जेहन_पोशाक_ने_कोनो #अपना_मिथिला_कें_यौ_भैया_जबाब_ने_कोनो संग शुरु भेल छल । कार्यक्रम में विभिन्न चरणमें विभिन्न कार्यक्रम सब भेल । सब सँ पहिने परिचय संग हेल्प मधेशीक उदेश्य तथा कार्ययोजना पर प्रभात महतो जी द्वारा अपन बिचार देल गेल । तहिना संजय दास जी शुभकामना तथा स्वागत मन्तब्य देलनि ।
दोसर चरणमें मैथिली पत्रिका #परदेशी_आखर कें लोकार्पण कएल गेल । एतुका मैथिली सर्जकसब द्वारा बिगत १ साल सँ आयोजना होइत आबिरहल साहित्यिक बैसार #साँझक_चौपाडि_ पर कें उपलब्धी थिक -#परदेशी_आखर । एहि पत्रिका क’ नामाकरण तथा शुभकामना लेखन परम आदरणीय साहित्यकार श्री धीरेन्द्र प्रेमर्षि जी द्वारा कएल गेल अछित । तहिना, सम्पादन : प्रणवकान्त झा जीक,सह-सम्पादन :विन्देश्वर ठाकुर जीक अछि । एहिमे समाविष्ट रचना सब में कवि प्रणवकान्त झा,अब्दूर रज्जाक,विन्देश्वर ठाकुर,सोगारथ यादव,असरफ राइन,धनेश्वर ठाकुर,रवीन्द्र उदासी,मनिष राय,अशोक कुमार सहनी तथा कतार सँ बाहर रहल सर्जक सबमें राजदेव राज(मलेशिया,प्रयास प्रेमी मैथिल मलेशिया,विकास झा(हैदराबाद/भारत) विद्यानन्द बेदर्दी(नेपाल),गायत्री सिंह(नेपाल) दिनेश रस्या( नेपाल) आदिक छयनि । तहिना, टेकनिकी सहायता -हेल्प मधेशी समूह, आ आर्थिक सहयोग – श्री प्रभात महतो जी(अपन बेटीक जनम दिनकें पार्टीमे खर्च होब बला रकम कें एहि पुनित काज लेल देलनि) द्वारा देल गेल अछि । एकरा बाद कवि गोष्ठी भेल ।गोष्ठीमे एतुका समुच्चा सर्जक/साहित्यकार सब द्वरा कविता,गीत,गजल वाचन कएल गेल ।
तेसर चरणमे कवि प्रणव कान्त जीक विदाई कएल गेल । #साँझक_चौपाडिकें प्रेरक, हमरा सबहक सहयात्री कवि प्रणव जी इएह जुलाई महिनाकें २२ तारिक सदाकें लेल अपन मातृभूमी जा’ रहल छथि । तें सम्मान व प्रेम स्वरुप हुनक विदाइ के आयोजना कएल गेल । फूल,माला,दोसल्ला एवं मायाकें कोसेली किछु भेट द’ स-सम्मान हुनक सुखद जीवन एवं सफल साहित्यिक यात्रा लेल कामना कएल गेल । एहि महत्वपूर्ण काज लेल खर्च जुटौलनि हेल्प मधेशीक मित्रसब एवं प्रवासी मिथिला समाजक साथीसब । धन्यवाद सबगोटेक ।
हमरा सबहक अपन साहित्यिक आ सांस्कृतिक गतिबिधी देखि मन्त्रमुध भऽ रहल दोहा कतारक एकटा न्युज चैनलबला सेहो एहिबारे फोटो शूट केलनि । संगे हमरासबहक इन्टरवीउ सेहो लेलनि सेहो एकटा पैघ उपलब्धी ।
तहिना, कतारमे रहल आओर आन-आन मधेशी संघ सस्थाद्वारा मधेशक हक/हित व जनकल्याण लेल बिचार विमर्श लेल गेल । सब अपन अपन छोट-मीठ मन्तब्य रखनि । अन्त्यमें हेल्प मधेशीक सशक्त सेनानी, एहि कार्यक्रम।केर कर्डिनेटर एवं युवा समाजसेवी,इन्जिनियर श्री वीरेन्द्र साह जी द्वारा हेल्प मधेशीक आवश्यक्ता,एकर निकट भविश्य योजना,भविष्य केर कार्ययोजना आ धन्यवाद ज्ञापन संग कार्यक्रम कें समापन कएल गेल ।