सलहेशक फूलबाड़ी मे फूलायल अनुपम फूल

मालिन गहबर सिरहा
मालिन गहबर सिरहा

सुनील गुप्ता, सिरहा। मार्च १५, २०१५. मैथिली जिन्दाबाद।

मिथिलाक लोकराजा – लोकदेवता आ महावीर-पराक्रमी सलहेश आ हुनक प्रेमिका कुसुमाक संग प्रेमगाथाक जीवन्त गान करयवला अनुपम फूल सिरहाक लहान समीप सुप्रसिद्ध सलहेश फूलबाड़ी मे पुन: वैशाख १ गते मैथिली नव-वर्षक दिन फूलायल अछि। ज्ञात हो जे ई फूल भैर बरिस मे एक्कहि दिन, अही दिन टा फूलाइत अछि। एहि फूलक दर्शन मे लोकदेवता सलहेश ओ कुसुमा रानीक दर्शन हेतु लाखों लोक दूर-दूर सँ अबैत अछि। एतय बड़का मेला लगैत अछि। ई प्रक्रिया आदम जमाना सँ चलैत आबि रहल अछि।

कहल जाइछ जे लोकदेवताक कथा मिथक होइत अछि। बहुत बात पुराण मे वर्णित पुराने होइत अछि। मुदा ई यथार्थक दर्शन आइयो लोककेँ होइत अछि आ किछु यैह सब कारण सँ लोक-आस्था आइयो ओतबे दृढ बनल अछि। कोनो हालत मे लोक अपन पुरखाक पुरुषार्थ सँ समझौता करबाक लेल तैयार नहि अछि। अही सब कारण सँ मिथिलाक चर्चा सनातन बनि आइयो जीबि रहल अछि।