मैथिली पोथी लेल शिव पुस्तक भंडार पटनाः एक साधे सब सधे

विशेष समादः मैथिली पोथी लेल ‘शिव पुस्तक भंडार आ सैप्पीमार्ट’

shiv pustak bhandarयुपीएससी सँ विगत किछु वर्ष मे कतेको रास अभ्यर्थी लोकनिक नीक प्रदर्शन आ सफलता हासिल करबाक उत्साही समाचार सँ प्रेरित संघ लोक सेवा आयोग परीक्षा मे बहुतो रास मैथिल व गैर-मैथिल अभ्यर्थी लोकनि मैथिली ऐच्छिक विषय राखि तैयारी करय मे आगू आबि रहला अछि। हुनका सबहक लेल मैथिली पोथी ताकब एकटा चुनौती बनिकय सामने आबि रहल अछि।

मैथिली पोथी लेल सैप्पीमार्ट (अनलाइन सापिंग) केर इन्तजाम कय रहल अछि। संगहि सैप्पीमार्ट केँ जँ ईहो भार देल जाय जे पटना वा दरभंगा वा बनारस वा इलाहाबाद सँ प्रकाशित विभिन्न पोथी उपलब्ध करेबाक प्रयास कैल जाय तऽ संभवतः ओहो लेल प्रयास कय सकता।

परन्तु हमर अनुभव कहैत अछि जे शिव पुस्तक भंडार, विद्यापति भवन, चेतना समिति, पटना सँ सम्पर्क केला पर उपलब्ध पोथीक संग-संग पोथीक उपलब्धता पर सब तरहक जानकारी अहाँ केँ तुरन्त उपलब्ध करा सकैत छथि, श्री शिव कुमार ठाकुर, प्रोप्राइटर। हिनकर सम्पर्क नंबर अछिः ९३३४३११४५६ तथा ९९०५२८११४५ – पूर्व मे हिनका द्वारा दु-दु बेर पुस्तक प्रदर्शनी विराटनगर मे देखल अछि। किछु पोथीक सूची हम एतहु राखब जे सूची हम पूर्व मे बनौने रही। 

एकटा विशेष अनुरोध ईहो करब जे अपन शहर-नगर-गाम मे सेहो हिनका आमंत्रित कय मैथिली पुस्तक मेलाक आयोजन अन्य-अन्य सांस्कृतिक आयोजनादिक संग जरुर करू। एहि सँ आगामी पीढी सेहो काफी लाभान्वित होयत। मैथिली जिन्दाबाद!!

पोथीक सूचीक सन्दर्भ मे एक पुरान पोस्ट

प्रसन्नता भेटि रहल अछि जे मैथिली पोथीक महासागरक किछु विन्दु सँ आइ दर्शन भेल। पुस्तक मेलामें पहुँचल पुस्तककेर दर्शन केलहुँ: अहुँ सभ जरुर करू।

१. विद्यापति गीत संचय – २००।००
२. महाकवि विद्यापति – २१०।००
३. मैथिली पत्रकारिताक इतिहास – ३००।००
४. रामेश्वर चरित मिथिला रामायण – २००।००
५. बिछल कथा – १००।००
६. मिथिलाक इतिहास – ९०।००
७. मैथिली साहित्यक इतिहास – १२०।००
८. विद्यापति पदावली – १५०।००
९. दूधमुँहाँ – ३५०।००
१०. संरचनावाद, उत्तर‍-संरचनावाद एवं प्राच्य संरचनावाद – ३००।००
११. ऊपरवास कथात्रयी – ५००।००
१२. मैथिलीक पारम्परिक जातीय व्यवसायक शब्दावली – ५००।००
१३. मैथिली भेषभुषा प्रसाधन सम्बन्धी शब्दावली – ७००।००
१४. शेखर-प्रसंग – २५०।००
१५. उत्तर जनपद – २५०।००
१६. तात्पर्य – १००।००
१७. आउ किछु गप करी – ५०।००
१८. ए हिस्ट्री अफ मोडर्न मैथिली लिट्रेचर – २००।००
१९. वर्णरत्नाकर – १४०।००
२०. चलैत रहू हे मन – १५०।००
२१. मधुश्रावणी मिमांसा – ४१०।००
२२. अतीत मंथन – ३००।००
२३. कर्मधारय – ३००।००
२४. श्रीसांवाचक्रवाकिका – ३००।००
२५. विकास ओ अर्थतन्त्र – २५०।००
२६. अग्निशिखा – १५०।००
२७. मिथिला-मैथिलीक विकासमें कर्णगोष्ठी एवं कर्णामृतक योगदान – ३००।००
२८. मिथिला भाषा विद्योतन – ११५।००
२९. फोंका – १००।००
३०. चयनिका – १५०।००
३१. समय सऽ संवाद करैत – १००।००
३२. अन्हारक विरोधमें – १५०।००
३३. राधाकृष्ण चौधरीक व्यक्तित्व ओ कृतित्व – २५०।००
३४. मंजिल एखनहु दूर अछि – ३०।००
३५. एगो छली सिनेह – १००।००
३६. ओ लोकनि – १३०।००
३७. पंचवटी – ३५।००
३८. नटवरलीला – ८४।००
३९. समयके अकानैत – ७५।००
४०. एकटा हेरायल दुनिया – ६०।००
४१. कथा लोककथा – १००।००
४२. सुरामृतम् – १००।००
४३. रागिनी – १००।००
४४. परिक्रमा – १००।००
४५. कौसिल्या – १५०।००
४६. हरसिंगार – ५०।००
४७. गीताम्बर – १०१।००
४८. संवाद – १००।००
४९. मानवकल्प – २५०।००
५०. महोदय मन्वन्तर – ३५०।००
५१. बिलाइ मौसी – १००।००
५२. विलंबित कइक युगमें निबन्ध – १००।००
५३. ललका पाग – ६०।००
५४. बहिरा नाचय अपने ताले – ४०।००
५५. विदेह – १००।००
५६. अन्तर्ध्वनि – १००।००
५७. सत्पुरुषोंकी सुक्तियाँ – १००।००
५८. समवेत स्वरसे आगे – १००।००
५९. समाजिक असंतोष ओ मैथिली साहित्य – ३००।००
६०. हास्य उर्जा – १२५।००
६१. भैया एलय अपन सोराज – २००।००
६२. मैथिली लोकसाहित्यका अध्ययन – ६००।००
६३. सकुन्तला — २५१।००
६४. व्रत आ पावनि तिहार – ३५।००
६५. गीतनाद – ४५।००
६६. मैथिली संस्कार गीत – ३०।००
६७. मधुश्रावणी व्रतकथा – १२।००
६८. प्रबन्ध पारिजात – ४०।००
६९. उमापति – ६०।००
७०. मैथिली शाक्त साहित्य – २०।००
७१. विद्यापति पदावली – २०।००
७२. मिथिलाक लोकप्रिय गीत – ७०।००
७३. गामघरक गीत – १५०।००
७४. विद्यापति गीत शती – ५०।००
७५. मैथिली व्यवहार गीत संग्रह – ३५।००
७६. मैथिली गीत संग्रह ७५।००
७७. मैथिली गद्य गीता – २०।००
७८. मकडी – ३०।००
७९. अर्चिस् – १५०।००
८०. दुर्गा सप्तशती – ४५।००
८१. नताशा – १५०।००
८२. मैथिली चित्रकथा – १००।००
८३. सत्यनारायण पूजा पद्धति – १५।००
८४. कथाकहिनी – २०।००
८५. मिथिलाभाषा रामायण – २५०।००
८६. मैथिली चित्रकला ओ शिल्पकला – ५०।००
८७. मैथिली चित्र प्रवेशिका – ३००।००
८८. फूल तितली आ तुलबुल – १०१।००
८९. अरिपन – २७९।००
९०. जीनोम मैपिंग – ५०००।००
९१. सव्यसाची – १२००।००
९२. पंडित जयनाथ मिश्र स्मृति ग्रंथ – ५००।००
९३. अभियानी – १०००।००
९४. मैथिली शब्दकोष – २६०।००
९५. कल्याणी कोष – ४७५।००
९६. विद्यापतिक उत्स – १५०।००
९७. जिनगीक गीत – २५०।००
९८. उत्थान पतन – २५०।००
९९. मौलाइल घाछक फूल – २५०।००
१००. मिथिलाक बेटी – १६०।००
१०१. बिसरल लोक बिसरल बात – १००।००
१०२. पराती – ७५।००
१०३. गुदरीक लाल – १५०।००
१०४. जकर नारि चतुर होइ – १०५।००
१०५. कोशी परिसर में साहित्य साधना – ३५०।००
१०६. मिथिलाक लोकदेवता – २००।००
१०७. थोडे आगि थोडे पानि ७०।००
१०८. गामक जिनगी – २००।००
१०९. श्रीसीतावतरण महाकाव्य – २५१।००
११०. मिथिला सरोज रत्नावली – ९५१।००
१११. कुरुक्छेत्रम् अन्तर्मनक – १८००।००
११२. मैथिली गीता – १२५।००
११३. हम भेटब – १५०।००
११४. कचनारक गाछ – ५०।००
११५. हमरा कन्यादान अछि – १००।००
११६. संघर्ष आ सेहन्ता – ३००।००
११७. बेनीपुर अनुमण्डलमें मिथिला – ५००।००
११८. साहित्यालोचना – १५०।००
११९. बदलैत स्वर – १५०।००
१२०. जुबैदा – १५०।००
१२१. इजोत – १२५।००
१२२. गाम में भोज अछि – १२५।००
१२३. अमर विभूति – ९९।००
१२४. प्रारब्ध – ३००।००
१२५. विप्लवी बेसरा – २५०।००
१२६. बहुआयामी जनकवि सोमदेव – २५०।००
१२७. करपुरिया – १००।००
१२८. अनामिकाक चिट्ठी – १००।००
१२९. मात्र ३ घंटाक समय – १००।००

हरि: हर:!