पठाओल गेल ज्याबुलक लाशः प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा

रविन्द्र उदासी, दोहा। अप्रैल २८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

jyabul bodyकिछुए दिन पहिने कतार देश केर राजधानी दोहा स्थित एक कम्पनी मे कार्यरत धनुषा जिलाक कुसमाहा सतोषर निवासी ज्याबुल हक राइन केर मृत्यु दुर्घटनावश भऽ गेल छल। ओकर असहाय माय-बापक इच्छा छल जे कोनाहू मरलो बेटाक मुंह देखी आ अपने मुलुक मे ओकर अन्तिम संस्कार – इस्लाम धर्म अनुसार माटि चढाबी।

प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा (कतार) द्वारा उपरोक्त माँग केँ अथक प्रयास आ सामूहिक योगदान सँ पूरा करबाक सराहनीय कार्य कएलक अछि।समाज कल्याणक प्रतिनिधि समाजसेवी मनीष कुमार राय केर संयोजकत्व मे अधिक सँ अधिक प्रयास केर बाद लास नेपाल पठाउल जा सकल। एहि पुण्यक कार्य सँ आन विदेश मे रोजगार कएनिहार बीच एकटा आत्मसंतोष बनल जे आखिर मरलाक बादो कोनो संस्था द्वारा सहयोग करबाक नीक परंपरा आरम्भ कैल गेल अछि।

सामान्यतया लास वापस मंगेबा मे लाखों रुपयाक खर्च होयबाक कारणे ओहेन विदेशी रोजगार पर रहल मृत व्यक्तिक अन्तिम संस्कार विदेशे मे कय देल जाएत छैक। परन्तु प्रवासी मिथिला समाज कल्याण दोहा एहि लेल एकटा नीक डेग उठौलक, जानकारी देल गेल अछि।