सम्पन भेल सवा लाख ‘लखराम’ महादेव पूजन संगहि ‘दहेज मुक्त मिथिलाक’ सदस्यता अभियान
रिपोर्ट: प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल १९, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!

पहिने तs विधिवत महादेव पूजन सम्पन्न भेल तत्पश्चात महाप्रसाद वितरण आ भंडारा केर आयोजन सेहो कएल गेल छल। संध्या काल में मैथिली भजन कार्यक्रमक आयोजन सेहो स्थानीय कलाकर द्वारा कएल गेल जाहि मे उपस्थित मैथिल समाजक सब वर्गक लोक भरपूर आनन्द उठौलनि।
इकाई केर सेहो आमंत्रित कएल गेल छलैन जाहि में राष्ट्रीय संरक्षक श्री पंडित धर्मानन्द झा जी, महाराष्ट्र संरक्षक श्री कुणाल ठाकुर जी, महाराष्ट्र अध्यक्ष श्री विजय मिश्रा जी एवम् महाराष्ट्र प्रवक्ता श्री प्रकाश कमती जी संगहि श्री महेश मिश्रा जी उपस्थित छलाह।

स्थानीय लोकैन केर बीच श्री श्रवण झा जी एवम् उपस्थित दमुमि पदाधिकारी द्वारा फॉर्म बाँटि सदस्यता अभियान सेहो चलाओल गेल। संभवतः दस हजार सँ बेसी मैथिल अहि क्षेत्र में अपन जीविका लेल प्रवासी बनि रहि रहलाह अछि। अहि क्षेत्र में दमुमि टीम पहिल बेर श्री श्रवण जीक सहयोग सँ पहुँचल छल आ आगामी समय में अहि क्षेत्रसँ दमुमि केर अभियान केर और प्रखर बनाबैक लेल समर्पित सदस्य जोड़ि नव ऊर्जा संग महाराष्ट्र में अभियान केँ गति देबाक घोषणा श्री श्रवण जी द्वारा कएल गेल।