‘दहेज मुक्त मिथिलाक’ सघन जनसंपर्क संगहि सदस्यता अभियान विरार में
– प्रकाश कमती, विरार, मुम्बई। अप्रैल १८, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
दिनांक 17, रविदिन महाराष्ट्र केर उपनगर विरार पूर्व स्थित चंदनसार तंदुल बजारक समीप सघन जनसम्पर्क अभियान चलाओल गेल। बैसार में ‘दहेज मुक्त मिथिलाक’ महाराष्ट्र टीम सँ संरक्षक श्री कुणाल ठाकुर जी, संरक्षक श्री संत झा जी, अध्यक्ष श्री विजय मिश्रा जी, उपाध्यक्ष श्री रामनरेश शर्मा जी, उपसचिव श्री सगुण मिश्रा जी एवम् श्री आशुतोष ठाकुरजी, प्रवक्ता श्री प्रकाश कमती जी, कान्ति फिल्म प्रोडक्शन केर मालिक श्री महेश मिश्रा जी संगहि स्थानीय लोक में श्री बमशंकर मिश्रा जी, रामचंद्र झा जी, संतोष पाठक जी, विद्यानंद झा जी, सुबोध झा जी, विमल मिश्रा जी, विनय मिश्रा जी, रंजीत लक्ष्मीनाथ जी, अरविंद चौधरी जी, संदीप झा जी, श्याम सुन्दर झा जी आ गोपाल झा जी उपस्थित छलाह।
बैसार में दमुमि केर सदस्य बढ़ौनाय आ प्रवासी मैथिलक बीच अहि अभियान केर प्रचार-प्रसार खूब जोर-शोर सँ कोना कएल जाय इ मुख्य उद्देश्य छल। उपस्थित लोकैन आगामी दिन में अपन-अपन क्षेत्र दमुमि सदस्यता अभियान संग अहि संग औरो लोक सब के जोड़ि अभियान के और तेज गति देबाक आश्वासन देलनि।
समाज में दहेज लेनिहार आ देनिहार केर सामूहिक बहिष्कार हो, अपन-अपन नातेदार, कुटुम्ब बिच एकर प्रचार-प्रसार हो इहो मुद्दा पर बहस भेल जाहि लेल सबगोटेक संकल्पित भेलाह, दहेज कियैक लेब आ नहि देब, दहेजक कुप्रभाव तथा नारीक शिक्षा सँ अहि महमारीक अंत कोना कएल जाय ताहि ऊपर संरक्षक श्री संत झा जी अपन संबोधन द्वारा सभा के आश्वस्त करौलनि। अंत में दमुमि महाराष्ट्र टीम द्वारा सदस्यता फॉर्म बाँटि समर्पित सदस्य केर स्वागत सेहो कएल गेल।
आगामी दिवस में भिन्न-भिन्न स्थान पर दमुमि टीम द्वारा अहि तरहक जनसंपर्क अभियान चलाओल जाय ताहि ऊपर आपसी सहमति सेहो बनल। बहुत रास स्थानीय लोकैन दहेज सँ होई बला हानि आ समाज में घटल विभिन्न तरहक घटना पर अपन अनुभव साझा केलनि।

2 Comments
bhaut badhiya
hamhoo ehi sanstha sa juda chahait chi kona sudav se upaya batao
अपन सम्पर्क नंबर दीय, आ नहि तs 9987850262 पर फोन कएल जाऊ।