अपन वचन के सत्यापित केलनि दमुमि उपसचिव सगुण मिश्रा
– प्रकाश कमती, मुम्बई। अप्रैल ५, २०१६. मैथिली जिन्दाबाद!!
‘दहेज मुक्त मिथिला’ अपन उद्धेश्य में दिनों-दिन अग्रसर भए रहलाह अछि। केवल प्रवासी मैथिल टा में मात्र नहि बल्कि आब गामों-घर में दमुमि केर लक्ष्य पूर्तिक लेल बढ़ाओल डेग में सहयोगक संगहि समर्थन सेहो भेंट रहल अछि।
विगत 11 मार्च, 2016 केर दिन दमुमि महाराष्ट्र इकाई केर उपसचिव श्री सगुण जीक विवाह रानीपुर दरभंगा स्थित श्री ललन झा जीक सुपुत्री जूही झा जीक संग आदर्श विवाह केर रूप में संपन्न भेल। कन्याक पिता पेशा सँ किसान जरूर छथि मुदा हिनका द्वारा कएल गेल शुभ कार्य सँ समाज में एकबेर पुनः दहेज लोभी केर आत्मचिंतन करैक लेल बाध्य कए देलनि। श्री सगुन जी याज्ञवल्क्य जीक तपोभूमि जगवन(बिस्फी) केर रहनिहार छथि, हिनक पिता श्री सुपेन्द्र मिश्रा जी अवकाश प्राप्त बिहार सरकारक मवेशीक डागडर छथि। ओना तs श्री सगुण जी दसवीं कक्षा धरि शिक्षण केलनि मुदा इलेक्ट्रॉनिक एंड कम्युनिकेशन इंजीनियरिंग में डिप्लोमा कएने छथि संगहि ‘चैनल मास्टर प्राइवेट लिमिटेड’ में सर्विस इंजीनियर केर पद पर कार्यरत छथि। श्री सगुणजी मिथिलाक सबसँ पैघ रोग केर खात्मा लेल चलाओल जा रहल अभियान ‘दहेज मुक्त मिथिला’ महाराष्ट्र यूनिट केर उपसचिव सेहो छथि।


5 Comments
धन्यबाद मैथिलि जिंदाबाद के जे हमरा सन छोइट लोकक न्यूज़ सेहो छपाई छैथ
Great, sagun Ji k Dmm Maharashtra k taraf se badhai
सगुण भाई कुनो समाचार प्रेषित करब संपादक केर निष्पक्ष भावना पर निर्भर करैत छैक आ ताहि लेल कुनो व्यक्ति विशेषक मुँह कान नहि देखल जाएत छैक जे के पैघ छथि आ के छोट। दोसर गप जे अपन मोन के कखनो छोट नहि बुझि इ हमर अनुरोध अछि।।
Sagun jee ke sat sat naman ….
Dmm ke taraf sa bhai sagun jee ke bahot rash shubhkamna. ……
सगुण भाई के बहुत बहुत धन्यवाद. .
दमुमि के तरफ सँ खुब राश शुभकामनाएँ. .